समस्तीपुर। बिहार मे कोयलाक कमी क कारण बिजली लेल दोसर विकल्प पर ध्यान देल जा रहल अछि। पिछला दू चारि मे गैस आधारित बिजली घरक किछु प्रस्ताव बिहार सरकार लग आयल छल। जाहि मे स एकटा प्रस्ताव कए जमीन पर उतरबा लेल सरकार मंजूरी द देलक अछि। जानकारीक अनुसार समस्तीपुर जिलाक सरायरंजन प्रखंड अंतर्गत रूपौली गाम मे 2015 तक गैस आधारित थर्मल पावर स्थापित भ जाएत। एकटा एहने परियोजना क प्रस्ताव मधुबनी जिलाक जयनगर लेल सेहो अछि आ उम्मीद अछि जे सरकार एहि पर सेहो मंजूरी द देत।
हैदराबाद क कंपनी ओपीटी क एहि प्रस्ताव कए बिहार राज्य विनिवेश बोर्ड आ उद्योग विभाग अपन स्वीकृति पूर्वहि मे प्रदान क देने अछि। एखन संयंत्र लेल भूमि चयन क प्रक्रिया भ रहल अछि। एकरा लेल रूपौली गांव मे समस्तीपुर क सांसद महेश्वर हजारी आ उजियारपुर क सांसद अश्वमेघ देवी निजी जमीन क जायजा लेलथि। भूमि संबंधी कागजात क रिपोर्ट जमा भ रहल अछि। कागजात जमा भेलाक बाद भूमि क निबंधन क प्रक्रिया शुरू कैल जाएत।
ज्ञात हुए जे गैस आधारित एहि थर्मल पावर क निर्माण मे कोल लिंकेज सन कोनो झंझट नहि अछि। एकर निर्माण पूरा भेला स एहि संयंत्र स 500 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। जाहि स केवल स्थानीय लोक कए नहि बल्कि पूरा जिला कए बिजली भेटत। संगहि एकरा बाहर सेहो पठाउल जा सकैत अछि। समस्तीपुर क सांसद महेश्वर हजारी कहला जे पहिने एहि थर्मल पावर क स्थापना कल्याणपुर प्रखंड मे हेबाक छल। कई बेर ओहि कंपनी क सदस्य ओहि ठाम क दौरा सेहो केने छलाह। श्री हजारी कहला जे 5000 करोड़ क लागत स निर्मित एहि थर्मल पावर क निर्माण स एहि क्षेत्र क लोक कए जतए बिजली क मामला मे आत्मनिर्भर हेबाक अवसर भेटत ओतहि किछु रोजगार क अवसर सेहो बनत। ओ कहला जे एहि क्षेत्र मे रोजगार लेल जमीन देनिहार कए प्राथमिकता देल जा रहल अछि। आब एहि रिपोर्ट कए जमा होइत देरी भूमि क निंबंधित करबाक प्रक्रिया शुरू क देल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper