पटना। सरकारी जमीन पर कब्जा करबाक प्रयास मे बनल मंदिर सब कए तोडबाक प्रक्रिया सरकार शुय क देलक अछि। पटना हाईकोर्ट सेहो सरकार कए एहि लेल आदेश देलक अछि। हाइकोर्ट पथ निर्माण विभाग कए अदालतगंज भ कए अशोक सिनेमा हाल क सामने जा रहल सड़क पर बनल शिवमंदिर आ अन्य अवैध संरचना कए हटेबाक आदेश देलक अछि। कोर्ट क मुताबिक शिवमंदिर सरकारी जमीन कए कब्जा करबा लेल बनाउल गेल अछि आ एहि कारण स इ सड़क संकीर्ण भ गेल अछि। कोर्ट क आदेशक बाद बिहार लोक भूमि अतिक्रमण अधिनियम 1956 क अन्तर्गत पटना सदर क अंचल अधिकारी राजधानी मे छहटा मंदिर कए नोटिस जारी क शीघ्र स शीघ्र जमीन खाली करबाक आदेश देलथि अछि।
अंचल अधिकारी अपन नोटिस मे कहला अछि जे सरकारी भूमि पर अवैध रूप स मंदिर बनाकए अतिक्रमण कैल गेल अछि। ताहि लेल मंदिर कए शीघ्र स शीघ्र हटा लेल जाए। अंचल अधिकारी दिस स बोरिंग रोड चौराहा स्थित शिव मंदिर, बोरिंग कैनाल रोड स्थित पंचमुखी महावीर मंदिर, बोरिंग कैनाल रोड आ सहदेव महतो मार्ग क मोड़ पर स्थित काली मंदिर, मीठापुर बस स्टैंड आ चाणक्या विश्वविद्यालय क मोड़ पर स्थित मंदिर, चिरैयाटांड आरओबी क नीचा दक्षिण कात बनल मंदिर आ बहादुरपुर आरओबी क उत्तरी रोड क कात मे बनल मंदिर कए सेहो नोटिस जारी कैल गेल अछि। एहि सब मंदिर क पुजारी आ व्यवस्थापक स शीघ्र कारणपृच्छा दायर करबा लेल कहल गेल अछि।
ज्ञात हुए जे अदालतगंज स्थित मंदिर कए पहिनो पथ निर्माण विभाग हटेबाक प्रयास केने छल मुदा तखन मंदिर क पुजारी क कहब छल जे मंदिर, ट्रस्ट क जमीन पर बनल अछि। कोर्ट मे सुनवाई क दौरान कहल गेल जे रास्ता पर अवरोध उचित नहि अछि, एहि स आम लोक कए दिक्कत होइत अछि। एहि तर्क क संग कोर्ट मोहन प्रसाद क याचिका निष्पादित क देलक।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper