केंद्र स मंजूरी लेल पठाउल गेल 14 करोड क योजना
दरभंगा। पग-पग पोखरि माछ-मखान स प्रख्यात दरभंगा लेल आइ पोखरि मात्र दुर्गंध क जगह बनि गेल अछि। कई सौ पोखरि त शहर स पिछला 20 साल मे गायब भ चुकल अछि। शहर स लुप्त भ रहल पोखरि कए बचेबाक संगहि दुर्गंध दैत पोखरि क सौंदर्यीकरण लेल सेहो प्रयास शुरू अछि। सरकार तक इ मांग पहुंचबा मे देर जरूर भेल, मुदा काफी प्रयासक बाद तैयार भेल दरभंगा लेक डेवलपमेंट प्रोजक्ट कए राज्य सरकार एक झटका मे मंजूरी द देलक। एहि प्रस्ताव कए आब मंजूरी लेल केंद्र लग पठाउल गेल अछि। केंद्र स मंजूरी भेटलाक बाद एहि पर काज शुरू भ जाएत। दरभंगा शहरक स्वरूप निर्धारण मे इ परियोजना काफी महत्वपूर्ण योगदान दैत। एहि परियोजना कए पूरा भेला स जतए दरभंगा कए पुरान पहचान भेटत, ओतहि पर्यटनक क्षेत्र मे सेहो शहर लंबा छलांग लगा सकैत अछि। दरभंगाक विधायक संजय सरावगी के अनुसार 14 करोड 30 लाख टकाक एहि परियोजना कए केंद्र क मंजूरी भेटबाक पूरा संभावना है। एहि योजनाक तहत शहरक तीनटा मुख्य पोखरि हराही, दिग्घी आ गंगासागर कए सौंदर्यीकरण कैल जाएत। ओ कहला जे एहि परियोजनाक तहत एहि तीनू पोखरि कए सबस पहिने प्रदूषणमुक्त कैल जाएत, ओकर बाद एकर चारूकात पार्कनुमा टहलबा योग्य पथ, नौकाविहार आ जलक्रिया स संबंधित आयोजन स्थलक निर्माण कैल जाएत। ओ कहला जे ओ एहि परियोजना कए तैयार करेबा लेल बहुत मेहनत केलथि अछि आ शहर क विकास लेल ओ जी जान स लागल छथि। ओ कहला जे हुनकर इ सबटा प्रयास दरभंगा कए आन महानगर सन बनेबाक सपना कए पूरा करबा लेल अछि। ओ कहला जे दरभंगा एकटा विकसित शहर छल आ एकरा फेर स ओहि रूप मे अनबा लेल ओ एक- एक डेग बढा रहल छथि। ओ कहला जे हुनक प्रयास स राज्य सरकार पहिने राज शमसान माधेश्वर परिसर लेल छह करोड आ लक्ष्मीविलास पैलेस झील लेल दू करोड टका आवंटित क देलक अछि। एहि दूनू ठामक सौंदर्यीकरण लेल डीपीआर तैयार भ रहल अछि। उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे अगिला साल एहि परियोजना पर काज शुरू भ जाएत। ओ कहला जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल क सौंदर्यीकरण लेल सेहो राज्य सरकार टका देलक अछि। जाहि स मेडिसिन वार्ड परिसर मे कैफेटेरिया क निर्माण कैल जाएत। एहि लेल करीब दू करोड टका देल गेल अछि। मेडिकल कॉलेज मे जल-जमाव आ गंदगी कए खत्म करबा लेल पार्क आ अन्य आधारभूत संरचना लेल प्रयास कैल जा रहल अछि। स्थानीय विधायक कहला जे दरभंगा क विकास लेल राज्य पर्यटन विभाग आ मुख्यमंत्री शहरी विकास योजनाक तहत टका क प्रावधान कराउल जा रहल अछि। उम्मीद अछि एहि सब परियोजना कए पूरा भेला पर शहरक लोक कए मनोरंजन लेल कईटा स्थान उपलब्ध भ सकत संगहि शहर कए एकटा नव स्वरूप आ पहचान भेटत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
Neek samaad. Ummeed achhi je yojna dharatal par utarat.