रोशन होएत पटनाक 50 हज़ार घर
10 मेगावाट बिजली क होएत उत्पादन
पटना/ नई दिल्ली ।आब कचरा स बनल बिजली स राजधानी क 50 हज़ार घरक बत्ती जडत। एही लेल कचरा स बिजली बनेबाक योजना क जल्दिये जमीन पर उतारल जाएत। नगर निगम एही योजना कए अमलीजामा पहिरेबा लेल तैयारी शुरू क देलक अछि। नगर निगम बोर्ड स सैधांतिक सहमति सेहो भेट गेल छल। एही लेल बैरिया वा रामाचक मे जमीन क अधिग्रहण भ चुकल अछि। एही क तहत डोर-टू-डोर कचरा उठाउल जाएत। एकर अलावा एकरा स कम्पोस्ट निर्माण क सेहो मंजूरी भेट गेल अछि।
जेना कि इ’समाद पहिने बता चुकल अछि जे शहर मे रोज निकले बला एक हज़ार मीट्रिक टन कचरा स रोज करीब 10 मेगावाट बिजली क उत्पादन प्रस्तावित अछि, जाही स 50 हज़ार घर जगमगाएत। कचरा स बिजली बनेबाक जिम्मेदारी सेहो गठित सरकारी एजेंसी कए देल जाएत।
जानकारी क अनुसार कचरा स स्टेट ग्रीड क प्रति घंटा करीब साढ़े आठ हज़ार यूनिट बिजली क आपूर्ति भ सकत। एही हिसाब स रोज करीब ढाई लाख यूनिट बिजली भेटत। एकटा अनुमान क मुताबिक बिजलीक औसत उपयोग करय बला करीब 50 हज़ार घर कए रोज बिजली भेटत। एही क अलावा किसान कए सेहो एही कचरा स लाभ भेटत। बिजली क संग कम्पोस्ट सेहो बनाओल जाएत। जाही स रोज करीब 175 मेट्रिक टन कम्पोस्ट क उत्पादन होएत। जानकारक अनुसार करीब एक एकड़ जमीनक लेल हरेक साल चार सौ किलो कम्पोस्ट क जरुरत होएत अछि।
दोसर दिस एहि योजनाक लाभ पटना शहर कए गंदगी स मुक्त करबा मे भेटत। पटना स रोज निकलय बला एक हज़ार मेट्रिक टन कचरा क कारण शहर मे कूड़ा क पहाड़ बनबाक खतरा मंडरा रहल छल, ज्यों एही कचराक उपयोग नहि कैल जाएत त किछु दिन मे एकर स्थिति आओरो भयावह भ जाएत। आब जखन एकर ठोस प्रबंधन स बिजली आ कम्पोस्ट बनेबाक योजना तैयार अछि त एही स किछु रहत भेटत।
ज्ञात हुए जे दिल्ली, हरियाणा आ सोनीपत मे पहिने स कचरा स बिजली बनेबाक प्लांट लागल अछि, आ ई प्लांट सफल सेहो अछि। एहि ठाम रोज 12 स 15 मेगावाट बिजली क उत्पादन कैल जाएत अछि। संगहि कम्पोस्ट निर्माण सेहो होएत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna