• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बांका मेगा थर्मल संयंत्र लेल जमीन तैयार

October 10, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना : बिजली संकट झेल रहल बिहार मे एकटा आओर बिजली घर लगबाक बाट खुजि गेल अछि। जानकारी क अनुसार इ बिजली संयंत्र बांका मे लागत। बिहार विद्युत बोर्ड आ एनटीपीसी मिल कए इ बिजली संयंत्र लगाउत। बांका मे प्रस्‍तावित इ तेसर बिजली घर होएत। एहि स पहिने दूटा निजी कंपनी बिजली संयंत्र लगा रहल अछि। जानकारी क अनुसार चार हजार मेगावाट क्षमता क मेगा सुपर थर्मल पावर केंद्र स्थापित करबा लेल जमीन ताकल जा रहल अछि। एकरा लेल एनटीपीसी पहाड़ी इलाका क 2,440 एकड़ जमीन क मांग केलक अछि। कंपनी एहि संबंध मे एकटा मांग पत्र बांका प्रशासन कए पठेलक अछि। एहि पर प्रशासन ककवारा आ कटोरिया क बीच प्रभावती नगर इलाका क आसपास क जमीन परियोजना लेल उपलब्ध करेबाक निर्णय लेलक अछि। विद्युत बोर्ड आ एनटीपीसी क अधिकारी बुधदिन बांका जा कए प्रस्तावित स्थल क जायजा लेलथि।
सरकारी क्षेत्र क थर्मल पावर स्थापित भेला स एकरा लेल जमीन क अधिग्रहण सेहो सरकारी स्तर स कैल जाएत। विद्युत बोर्ड क अधिकारी क कहब अछि जे बांका मे जमीन भेटला स आब आगू क प्रक्रिया शुरू होएत।
एहि संबंध मे सांसद पुतुल कुमारी कहलथि जे थर्मल पावर केंद्र लगबा स बांका क विकास कए गति भेटत। बांका लेल इ एखन धरिक सबस पैघ उपलब्धि अछि। ओ कहलथि जे बिहार क बिजली संकट दूर करबा लेल विद्युत बोर्ड आ एनटीपीसी मे समझौता भेल अछि। एकरा लेल जे जमीन क जरूरत होएत बांका देबा लेल तैयार अछि। ओ बांका क बेकार पडल पहाड़ी बंजर भूमि पर थर्मल पावर केंद्र बनेबाक प्रस्ताव देलथि अछि। दोसर दिस बांका क भू-अर्जन पदाधिकारी जयश्री ठाकुर कहला जे एहि संबंध मे प्रशासन कए कईटा पत्र भेटल अछि। कटोरिया-चांदन इलाका क जमीन चिन्हित कैल गेल अछि। एनटीपीसी आ विद्युत बोर्ड क टीम प्रस्तावित जमीन क मुआयना केलक अछि। टीम दिस स झंडी भेटला पर जमीन अधिग्रहण क प्रक्रिया शुरू कैल जाएत। ओ कहलथि जे प्रभावती नगर लग कटोरिया मुख्य सड़क पर ढाई हजार एकड़ स अधिक जमीन उपलब्ध अछि। एहि मे रैयती आओर बिहार सरकार दूनू क जमीन अछि। गौरतलब अछि जे एहि ठाम पहिने स निजी क्षेत्र क दूटा कंपनी पावर प्लांट लगा रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सुरेंद्र चौधरी – एकटा हेरायल नायक

Esamaad Epaper Website

कोनो जाति क भ सकैत अछि अगिला सीएम : लालू

Esamaad Epaper Website

मोबाइल क घंटी स सुधरल बिहार मे स्वास्थ्य!

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि