नई दिल्ली। दूटा राजनेता क लडाई मे बिहार क क्रिकेट पिछला कई साल स मैदान क बदला मे कोर्ट आ कचहरी क चक्कर लगा रहल अछि। दरभंगाक भाजपा सांसद कीर्ति आजाद क एकटा याचिका पर सुनवाई करैत सुप्रीम कोर्ट कहलक अछि जे क्रिकेट कए राजनीति स मुक्त राखल जाए आ एकरा राजनीति क अखाड़ा नहि बनेबाक चाही। एसोसिएशन ऑफ बिहार क्रिकेट स संबंद्ध पूर्व क्रिकेट खिलाडी आ दरभंगा स भाजपा सांसद कीर्ति आजाद एहि मामला मे हस्तक्षेप क अनुमति चाहैत छलाह। एसोसिएशन ऑफ बिहार क्रिकेट राज्य मे राष्ट्रीय जनता दल क सुप्रीमो लालू यादव क अध्यक्षता वाला बिहार क्रिकेट एसोसिएशन क प्रतिद्वन्द्वी छी। न्यायमूर्ति आरएम लोढ़ा आ न्यायमूर्ति अनिल आर दवे क खंडपीठ बिहार मे क्रिकेट क दूनू प्रतिद्वन्द्वी क्रिकेट संगठन क बीच चलि रहल विवाद पर दायर याचिका क सुनवाई क दौरान इ टिप्पणी केलक। दूनू न्यायाधीश कहला जे क्रिकेट खेल छी आ एकरा खेल जेकां छोडि देल जाए, नहि मे राजनीति उचित नहि। कोर्ट कहलक जे क्रिकेट कए राजनीतिज्ञ क गेंद नहि बनए देबाक चाही। कोर्ट क इ टिप्पणी कीर्ति आजाद लेल एकटा झटका मानल जा रहल अछि, मुदा इ सवाल एखनो मुंह खोलने ढार अछि जे बिहार क खिलाडी क भविष्य कहिया रोशन होएत। बिहार मे क्रिकेट कहिया फेर जीवंत होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna