नई दिल्ली। मलंगिया महोत्सव क अंतिम दिन रंगकर्म मे उत्क्रीष्ठ योगदान क लेल निलेश दीपक कए रंगकर्मी श्रीकान्त मंडल सम्मान स सम्मानित काएल गेल। एहि मौका पर दर्शक क संबोधित करैत निलेश जी कहलैथि जे इ हमर सौभाग्य अछि जे हमरा एहन महान लोकक नाम पर सम्मान भेटल छल। हमरा नै बुझल छल जे श्रीकांत मंडल जी एहेन व्यक्तित्व क लोग छी बाद मे हमरा पता चलल जे कोलकता मे जतय बंगाली रंगमंच एतेक सशक्त अछि ओते अहाँ मैथिली रंगमंच क ध्वजा फहरेलैथि इ मैथिल लेल गौरव क गप अछि। एही महोत्सव पर बजैत नीलेश जी कहलैथ हम नाटक की होयत अछि वा नाटक केना होयत अछि इ मलंगिया जी से सिखने छी। हमरा बुझने मलंगिया जी सन नाटककार मैथिली मे दोसर नै अछि।
ज्ञात होए जे वर्ष 2011 से मैथिली रंगकर्म में सर्वश्रेष्ठ योगदान क लेल युवा रंगकर्मी क एही सम्मान स सम्मानित काएल जाएत अछि। पिछला बेरक सम्मान मैलोरंग क मुकेश झा जी क भेटल छल आ एहि बेर लेल नीलेश दीपक क चुनल गेल।
निलेश दीपक अपन अभिनय क शुरुवात इप्टा मधुबनी स केलैथि। संगे मैथिली भाषा क सक्रिय संस्था इप्टा, जमघट, लोकरंग आदि क संग काज कए क अपन अभिनय मे निखार आनलैथि। निलेश जी संगीत नाटक अकादमी दिल्ली क रंगशिविर मे प्रशिक्षण नेने अछि आ विगत कैक साल स मैलोरंग दिल्ली स जुडल छैथ। हिनकर प्रमुख नाटक मे काठक लोक, ललका पाग, जल डमरू बाजे, पांच पत्र आदि शामिल अछि। मैथिली टीवी आ सिरियल मे समान रूप स्थापति निलेश जी अपन प्रतिभा लेल कैक बेर पुरस्कृत भए चुकल छैथि। संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार दिस स 2006 मे रंगमंच प्रसिक्षण क लेल हिनका राष्ट्रिय क्षात्रवृति सेहो भेटल छल। संगे हिनका देशक नामी गिरामी नाट्यकर्मी संग काज करबाक सौभाग्य भेटल छल। हिनका एहि सम्मान स सम्मानित केलैथि मलंगिया महोत्सव क अंतिम दिनक मुख्य अतिथि आ संगीत नाटक अकादमी क सहायक सचिव श्री जे पी सिंह। एहि मौका पर ऋषि झा जी कहलैथि जे नीलेश जी एहि सम्मान क स्वीकारलैथि एहि लेल हम हुनकर आभारी छी। संगे पूरा मैलोरंग टीम दिस स हुनकर उज्जवल भविष्य क कामना करैत छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर