दूरस्थ शिक्षा निदेशालय खोललक 112 विषयक लेल पढाई क केबार
दरभंगा । कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय अपन चरित्र मे पैघ बदलाव करैत पुरातन संस्कृवत साहित्यस क संगहि विभिन्न आधुनिक व्या वसायिक पढाई क सेहो अपना एहिठाम शुरू करबाक एकटा ऐतिहासिक फ़ैसला केलक अछि। एकर तहत दुनिया क कईटा भाषा पढबा लेल आब मिथिला क छात्र एक आन ठाम जेबाक कोनो आवश्याकता नहि रहत। कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय एकरा लेल अपन दुहारि खोलि देलक अछि। इ सबटा पाठ्यक्रम फरवरी 2013 यानि अगिला मास स शुरू भ जाएत। विवि क कुलपति डॉ अरविंद पांडेय, छात्र कल्याण संकायाध्यक्ष डॉ जीतेंद्र कुमार आ गुरूकुल क अध्यक्ष डॉ अखिलेश कुमार दूबे एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे एहि पाठ्यक्रम स एक दिस जतए छात्र कए विभिन्न भाषा क ज्ञान होएत ओतहि संस्कृरत क जानकार सेहो बढत, किया त कोनो पाठ्यक्रम पढबा लेल छात्र कए एकटा विषय क रूप मे संस्कृहत अनिवार्य रूप स पढए पडत। ओ कहला जे महाराजा जखन एहि एकर स्थाूपना केने छलाह तखन हुनक इच्छाू छल जे इ संस्कृरत क पुरातन शिक्षाक संगहि नव परिवेश मे ओकरा अनबा लेल सेहो काज करै। विवि प्रशासन दानकर्ताक एहि भावना कए देखैत संस्कृनत क विकास लेल एहि प्रकारक डेग उठा रहल अछि।
कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय क कुलपति डॉ अरविंद पांडेय क कहब अछि जे एखनधरि एहि ठाम केवल संस्कृत माध्यम स उच्च शिक्षा देल जाइत रहल छल, मुदा आब विवि फ्रेंच, जर्मन, जैपनीज़, चाईनीज़, रशियन समेत कईटा भाषा क पाठ्यक्रम शुरू करि रहल अछि। एतबे नहि विवि प्रबंधन, पत्रकारिता, मेडिकल, पारा मेडिकल, जनसंपर्क समेत कुल 112टा नव पाठ्यक्रम शुरू करै जा रहल अछि। कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय प्रशासनक कहब अछि जे विवि लग आधारभूत संरचना आ योग्यं शिक्षकक अभाव रहलाक कारण इ सबटा पाठ्यक्रम दूरस्थ शिक्षा निदेशालय स पत्राचार माध्यम स चलेबाक निर्णय लेल गेल अछि। ओना उपरोक्त सबटा पाठ्यक्रम नियमित पाठ्यक्रम क रूप मे सक्षम कॉलेज आ स्नातकोत्तर विभाग मे सेहो शुरू कैल जा रहल अछि, मुदा एहि लेल विवि मुख्यत रूप स गुरूकुल नामक संस्था क संग समझौता केलक अछि। समझौता क तहत गुरुकुल देश भरि मे अध्ययन केंद्र खोलत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर