पटना । बिहार सरकार अगिला वित्त वर्ष 2013-14 लेल 34 हजार करोड़ टका क योजना आकार रखबाक निश्चिय केलक अछि। एकरा मंजूरी प्रदान करबा लेल योजना आयोग कए प्रस्ताव पठाउल जा रहल अछि। इ वर्तमान योजना राशि स 6 हजार करोड बेसी अछि। नेताजी सुभाष चंद्र बोस क जयंती क अवसर पर आयोजित कार्यक्रम मे पत्रकार स गप करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे अगिला वित्त वर्ष 2013-14 लेल वार्षिक योजना क आकार 34 हजार करोड़ टका रखबाक निर्णय कैलक अछि।
एहि संबंध मे हम प्रस्ताव योजना आयोग कए पठा रहल छी आ हमरा पूरा उम्मीद अछि जे योजना आयोग सेहो एहि स सहमत होएत। मुख्यमंत्री कहला जे हमरा लग जे संसाधन अछि ओकर हिसाब स एकर आकार और पैघ हेबाक चाहैत छल मुदा केंद्र एखन धरि इ निर्णय नहि क सकल अछि जे बिहार कए जे विशेष सहायता भेटल ओहि मे केतबा बढ़ोत्तरी ओ करत। ज्ञात हुए जे नीतीश कुमार जखन बिहार मे सत्ता मे आयल छलाह तखन बिहारक योजना आकार महज 2 हजार करोड छल आ एहि साल इ ओहि स 17 गुना बेसी 34 हजार करोड हेबाक संभावना अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर