• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जयपुर साहित्‍य महोत्सव मे भेटल मैथिली कए नव पहचान

January 30, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली
। रविदिन मैथिली आ मिथिला लेल ऐतिहासिक दिन छल। एहि साल पहिल बेर जयपुर साहित्योत्सव मे मैथिली कए शामिल कैल गेल। महोत्सव मे मैथिली क थीम छल “एक भाषा हुआ करती हैं”। करीब 17 टा भारतीय भाषा क बीच मैथिली कए शामिल करब मिथिला लेल गौरव क गप रहल। एहि आयोजन मे मैथिली क प्रतिधिनित्व केलथि मैथिली क जानल मानल विद्वान उदय नारायण सिंह ‘नचिकेता’, विभा रानी आ तारानंद वियोगी। ओतहि एहि सत्र कए मोडरेटर छलाह एनडीटीवी क प्रख्यात विमर्शकार रवीश कुमार।
मैथिली साहित्य क जीवंत परम्परा आओर समकालीन लेखन क प्रवृत्ति क संग संग मिथिला आओर एकर सांस्कृतिक निजता पर विस्तार स चर्चा भेल। पहिल सत्र मे मिथिला, मैथिली आ मैथिली साहित्य की अछि एहि पर विस्तार से चर्चा भेल। तेकर बाद मैथिली साहित्य कतेक पुरान अछि आ एकर प्रादुभाव कहिया भेल ताहि पर चर्चा भेल। एहि पर चर्चा करैत विभा रानी कहलथि जे मैथिली साहित्य करीब 1200 वर्ष पुरान अछि आ विद्यापति एकर अगुवा छथि। विद्यापति समेत अनेक कवि आ साहित्यकार क नाम लैत मैथिली क इतिहास पर विस्तार स चर्चा भेल। सभागार मे बैसल सब गोटे अचंभित छलथि जे मैथिली साहित्य क इतिहास एतबा पुरान रहितो इ जीवंतता त रखने अछि मुदा विस्‍तार शिथिल अछि।। सब गोटे एक स्वर मे यैह कहैत रहलाह जे एतेक पैघ आ पुरान साहित्य स देश एखनहुं वंचित अछि। देशक सबस प्रतिष्ठित साहित्‍य मेला मे मैथिली क आगमन कए सब स्‍वागत के लक आ कहलक जे आइ धरि एहन साहित्‍य स अवगत नहि भ सकल छलहुं।
मैथिली साहित्य मे महिला क स्थिति पर चर्चा करैत विभा रानी कहलथि जे मैथिली साहित्य मे महिला क स्थिति सीता क जीवन जेकां अछि । सीता पहिल महिला छलीह जे अपन पिता स शस्त्र आ शास्त्र क शिक्षा लेलथि। अपन माइ स शिक्षा ग्रहण केलथि आ हुनके दुनु स ज्ञान प्राप्त कए आइ जगत मे जगजननी क नाम स विख्यात भेलथि। विभाजी एकर बाद भारती क चर्च केलथि जे अपन ज्ञान स आ अपन पति क अर्धांगिनी बनैत शंकराचार्य स शास्‍त्रार्थ केलथि आ हुनका हरा देलथि। वर्तमान काल पर इजोत दैत विभाजी लिली रे क चर्चा करैत कहलथि जे ओ अपन साहित्य मे आधुनिकता क संग देश विदेश मे महिला क आगू बढेलथि।
मिथिला क महिला किया पाछु अछि ओ विश्व पटल पर किया नहि उभरि रहल अछि ताहि पर विभा रानी कहलथि जे मिथिला क महिला सीता क कारण चुप अछि। मिथिला क महिला क लोक सब दबा कए राखलक अछि। लोक सब मिथिला क महिला कए घर क दुहारि स बाहर आनब अपना हीनता बुझैत छल ताहि लेल महिला पाछु छल, मुदा आब समाज बदलि रहल अछि आ महिलाक स्थिति मे सुधार भ रहल अछि।
मिथिलाक सामाजिक स्थिति पर मैथिली साहित्य क भूमिका पर चर्च करैत विभा रानी विद्यापति क पद “पिया मोरा बालक हम तरुनी गे” क उदाहरण दैत कहलथि जे विद्यापति कोना बाल विवाह कए भर्त्सना करैत एहि पर विशेष प्रकाश देलथि अछि आ हुनकर प्रभाव छल जे आइ बाल विवाह मिथिला स उपटि गेल अछि। आन आन ढेर रास मसला पर गप करैत पहिला सत्र समाप्त भेल। साहित्योत्सव मे नचिकेता जी आ वियोगी जी सेहो अपन ज्ञान स मिथिला क महिमा मंडन केलथि आ देश-विदेश कए मैथिली आ मिथिला क साहित्य स अवगत करेलथि। कर्यक्रम क दोसर सत्र मे काव्य पाठ भेल जेकर शीर्षक छल “पोएट्रीवाला” जाही में विभा रानी संगे भूटान क सोनम दोरजी आ कर्नाटक क विक्रम सम्पत छलाह। एही मे विभा रानी विद्यापति क एकटा पदावली सुनेलथि आ श्रोता मंत्रमुग्ध भए एकर रसपान केलथि। श्रोता क उत्साह मैथिली क प्रति जे देखबा मे आयल से मिथिला मैथिली लेल गौरव क विषय रहल। पदावली क बाद कर्यक्रम समाप्ति क घोषणा भेल। एहि अवसर पर रवीश क चटपट गप आ हुनकर संचालनक तरीका श्रोता क सत्र स जोडने रहल। निश्चित एकटा नीक प्रयास एकटा नीक डंग आ मैथिली क एकटा आर पैघ उपलब्धि रहल इ साहित्‍य महोत्‍सव।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिला एखनो पूज्‍यनीय अछि : सरिता

Esamaad Epaper Website

न दान, न भीख, चाही बस मजदूरी

Esamaad Epaper Website

रद्द होएत दू लाख करोड क निवेश प्रस्‍ताव क मंजूरी

Comments 2

  1. बिनोद says:
    12 years ago

    ‘के थीक मैथिल, की थीक मिथिला.. हम कहैत छी ओरे स; मिथिलावासी सुनु पिहानी, हम कहैत छी भोरे स’…..बारह सौ सालक इतिहास !!! आगा देखनाई आवश्यक थीक| यो, मैथिली भाषा त अपने एहन मीठ छैक जे एक बेर क्यों सुनि लेत, भने बुझो चाहे नई, ध्वनि के मिठास के अवश्य कायल भ जाएत|
    ..आहांक आलेख बड सुन्नर|साधुवाद लिए|

    Reply
  2. Ajay Mishra says:
    12 years ago

    Great Works. Congrats!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि