• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला एखनो पूज्‍यनीय अछि : सरिता

January 30, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । मारीशस क ख्यात साहित्यकार आ पूर्व उप प्रधानमंत्री डा. हरीश बुद्धू क कनिया डा. सरिता बुद्धू क कहब अछि जे मिथिला एखनो पूज्‍यनीय अछि। मिथिला भ्रमण क क्रम मे दरभंगा आयल डा.सरिता बुद्धू कहलथि जे बिहार बेहद जागरूक प्रदेश अछि। हमर सबहक पूर्वज क सांस्कृतिक जड एतबा मजबूत छल जे तीन-चारि पीढी क बाद सेहो बिहार क सांस्कृतिक-धार्मिक परिचय नहि बदलल अछि। ओ कहलथि जे इ बिहार मे सामाजिक आ सांस्कृतिक पुनर्जागरण क काल छी। डा सरिता कहलथि जे बिहार, देश मे सामाजिक-सांस्कृतिक पुनर्जागरण क सबस पैघ प्रतीक रहल अछि। एक बेर फेर बिहार मे नवजागरण क शुरुआत भ चुकल अछि। लोक अपन मान-स्वाभिमान क प्रति जागल अछि आ विकास लेल सेहो बेचैन अछि। इ बेचैनी मिथिला क्षेत्र मे सेहो देखा रहल अछि। एहने भूख कए जिंदा रखबाक जरूरत अछि, जे एहि राज्य कए विकसित प्रांत क श्रेणी मे ठार करत।
एहि स पूर्व डा सरिता अपन दरभंगा भ्रमण क शुरुआत माधेश्‍वर परिसर स्थित रामेश्‍वरी श्‍यामा क दर्शन स केलथि। रामेश्‍वरी श्‍यामा मंदिर मे ओ काफी काल रहलथि। ओ मंदिर मे पलथी लगा बैसलथि आ बाबा पुकारे बाबा नाही बोलत हो.. सन किछु भजन सेहो गौलथि। एहि दौरान स्‍थानीय लोक सेहो हुनक चारू दिस बैस भजन क आनंद लेलक। एकर बाद ओ माधेश्‍वर परिसर मे बनल अन्‍य मंदिर सबहक सेहो दर्शन केलथि आ सब मंदिर क संबंध मे जानकारी लेलथि। ओ इ जानि आश्‍चर्य व्‍यक्‍त केलथि जे सबटा मंदिर दरभंगाक महाराजा सबहक चिता पर बनाउल गेल अछि। मंदिर परिसर क बाद ओ राम बाग परिसर क कंकाली मंदिर मे सेहो पूजा-अर्चना केलथि। कंकाली मंदिर मे भेटल शांतिक चर्च ओ काफी काल त महसूस करैत रहलथि। हुनकर संग चलि रहल जिला प्रशासन क प्रतिनिधि राम बुझावन यादव रमाकर हुनका कंकाली मंदिर समेत सबटा जगहक विस्‍तार स जानकारी दैत रहलाह। कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विवि क ऐतिहासिक दरबार हॉल मे प्रवेश करैत डा. सरिता क मुंह स अनायास निकली पडल- हाउ स्वीट मिथिला। हुनक आंखी दरबार हाल के कोन कोन निहारैत रहल। मिथिला क प्राचीन कला क अद्भुत नमूना कए देख हुनकर आंखि चमकैत रहल। एकर बाद ओ संपूर्ण कामेश्वर नगर परिसर क भ्रमण केलथि आ लौटैत काल डा. नागेंद्र झा स्टेडियम मे लनामिवि क सांस्कृतिक समन्वयक डा. अजय नाथ झा हुनकर मिथिला दर्पण पुस्तक क संग मखान द कए विदा केलथि।
एकर बाद ओ कबड़ाघाट स्थित मिथिला शोध संस्थान लेल निगली गेलथि। बागमति नदी क कछैर स्थित संस्‍थान क मनोरम दृश्य आ ओहि ठाम राखल शोध ग्रंथ कए देखि डा. सरिता कहलथि जे मिथिला एहिना नहि बुद्धिजीवी क जमीन कहल जाइत अछि, एहि ठाम क जमीन मे किछु त खास जरूर अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

न दान, न भीख, चाही बस मजदूरी

Esamaad Epaper Website

रद्द होएत दू लाख करोड क निवेश प्रस्‍ताव क मंजूरी

Esamaad Epaper Website

वापस लेल जाएत परती पडल औद्योगिक जमीन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि