मुजफ्फरपुर । ग्रेटर मुजफ्फरपुर क सपना जल्द साकार भ सकैत अछि। राज्य सरकार लगातार संशोधित प्रस्ताव मांगि रहल अछि। भेट रहल समाद क अनुसार नगर निगम शहर विस्तार संबंधी संशोधित प्रस्ताव पटना पठा देलक अछि। इ प्रस्ताव डीएम क माध्यम स सरकार लग पठाउल गेल अछि। सबकिछु दुरुस्त रहल त एकरा एहि साल मंजूरी भेट जाएत। संशोधित प्रस्ताव क मुताबिक कांटी आ मुशहरी प्रखंड क 42टा गाम आब शहर क सीमा मे शामिल भ जाएत। 1.31 लाख क नव आबादी शहर स जुडि जाएत। ओतहि 20.95 वर्ग किलोमीटर क्षेत्रफल सेहो विस्तार होएत। प्रस्ताव पर निगम बोर्ड पूर्व मे अपन सहमति प्रदान क चुकल अछि। आब राज्य सरकार कए एहि पर अंतिम फैसला लेबाक अछि।
शामिल होएत निम्न क्षेत्र
– कांटी अंचल का दादर कोल्हुआ, पैगम्बरपुर कोल्हुआ, सदातपुर, बैरिया, दामोदरपुर, चकमुरमुर, फतेहपुर, मुरादपुर, चैनपुर।
– मुशहरी अंचल का सिकंदरपुर, चकगाजी, सहबाजपुर सलेम, मुरादपुर दुल्लाह, अहियापुर, गणेशपुर, शेखपुर, नाजीरपुर, चंदवारा, चकमोहब्बत, बारा जगन्नाथ, राघोपुर, मझौली धर्मदाश, शेखपुर उर्फ नारायणपुर अनंत, शेरपुर, रतवारा, गन्नीपुर, मोहम्मदपुर काजी आ भिखनपुर डीह।
वर्तमान विस्तार क बाद
क्षेत्रफल 32.31 53.26 वर्ग किमी
आबादी 3.51 4.82 लाख
कहिया कहिया भेल विस्तार
– आजादी पूर्व नगरपालिका क स्थापना क समय शहरी क्षेत्र क निर्धारण भेल छल। तखन शहर कए कुल 12 वार्ड मे बांटल गेल छल।
– वर्ष 1970 मे आबादी बढ़बा पर वार्ड क संख्या 32 क देल गेल मुदा नव क्षेत्र नहि जुडले।
– वर्ष 2002 मे शहर क पहिल बेर विस्तार भेल। कईटा नव इलाका जुडल। वार्ड क संख्या 38 क देल गेल।
– वर्ष 2007 मे आबादी क हिसाब स वार्ड क संख्या 49 भेल।
एना बनल ग्रेटर क प्रस्ताव
– मई 2006 मे कांटी आ मुशहरी क 42टा गाम कए शहर मे शामिल करबाक प्रस्ताव सरकार कए पठाउल गेल।
– जून 2008 मे सरकार बोर्ड स पारित कराकए पठेबाक लेल कहलक।
– जुलाई 2008 मे सशक्त स्थायी समिति आ निगम बोर्ड प्रस्ताव कए मंजूर क सरकार कए पठा देलक।
– अप्रैल 2010 मे सरकार आपत्ति पर निगम स प्रतिवेदन मंगलक।
– वर्ष 2012 मे निगम आपत्ति क निष्पादन क पुन: प्रस्ताव पठेलक।
– राज्य सरकार नव जनगणना रिपोर्ट क आधार पर प्रस्तावित क्षेत्र क आंकड़ा दैत संशोधित प्रस्ताव देबा लेल कहलक।
– पहिल अप्रैल 2013 कए नगर निगम सरकार कए संशोधित प्रस्ताव पठा देलक
”नगर निगम क सीमा पर बसल कईटा गाम शहर क स्वरूप ल चुकल अछि। ओे शहरी सुविधा क लाभ सेहो उठा रहल अछि। प्रस्ताव मे एहन गाम कए शामिल कैल गेल अछि।”
– अरुण कुमार सिंह, नगर आयुक्त
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर