पटना । पुलिस क कार्यशैली बदलबा लेल सरकार ओकरा नव नाम आ ढांचा देबाक निर्णय केलक अछि। बिहार मे अब जिला पुलिस बल कए कम्पनी क रूप देल जाएत। कंपनी क स्वरूप देबा लेल राज्य मे कुल 242 सशस्त्र फाइटिंग कम्पनी बनत, जाहि मे 44टा कम्पनी दंगा निरोधक कम्पनी होएत जखनकि बाकी कम्पनी उग्रवादी आॅपरेशन आ आर्गनाइज्ड क्राइम क विरूद्ध काज करत। इ फैसला मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल गृह विभाग क उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार मे लेल गेल। पिछला दू दिन मे मुख्यमंत्री तीन स बेसी विभाग क समीक्षा क चुकला अछि। पुलिस स संबंधित विषय पर समीक्षा करैत मुख्यमंत्री निर्देश देलथि अछि जे नवनिर्मित कम्पनी कए मैनेज करबा लेल मध्यवर्गीय पदाधिकारी जेना – अवर निरीक्षक, पुलिस निरीक्षक आ पुलिस उपाधीक्षक रैंक क पद क सृजन कैल जाए।
पुलिस महानिदेशक अभयानन्द कहला अछि जे जिला पुलिस बल कए सेहो एकटा फाइटिंग फोर्स बनेबाक अछि, जाहि मे एंटी राइट इक्यूपमेंट आ वीपन क आवश्यकता होएत, जेकर खरीद कैल जाएत। ओ कहला जे बैसगर पुलिसकर्मी स सिविल पुलिसिंग क काज लैत जाएत।
बैसार मे मुख्यमंत्री इ निर्देश सेहो देलथि जे फॉरेंसिक साइंस लेबोरेटरी मे एकटा पद डायरेक्टर इन चीफ क स्वीकृत हुए। फॉरेंसिक साइंस लेबोरेटरी, फिंगर प्रिंट ब्यूरो आ फोटो ब्यूरो कए मिला कए एकटा निदेशालय बनाउल जाए, जेकर प्रमुख डायरेक्टर इन चीफ हेताह। इ राष्ट्रीय स्तर क फॉरेंसिक साइंस क विशेषज्ञ हेताह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa