पटना : नालंदा विश्वविद्यालय क डिजाइन तय क लेल गेल अछि। नालंदा विश्वविद्यालय परिसर क डिजाइन वास्तुशिल्प कन्सलटेंट्स तैयार करत। इ फर्म एकरा लेल आयोजित वास्तुकला डिजाइन प्रतियोगिता जीत लेलक अछि। राजगीर मे प्रस्तावित नालंदा विश्वविद्यालय क परिसर क मास्टर प्लान आ वास्तुकला डिजाइन लेल भेल प्रतियोगिता आयोजित कैल गेल छल। जाहि मे कुल आठटा वास्तुविद आ वास्तुकला डिजाइन बनेनिहार फर्म प्रस्तावित विश्वविद्यालय लेल ड्राईग आ डिजाइन क प्रस्ताव जमा केने छलथि। ज्यूरी एहि मे स दूटा प्रविष्टि कए चुनलक फेर दूनू प्रस्ताव पर विचार कैलाक बाद गुजरातक वास्तुशिल्प कल्सलटेंट्स क चयन कैल गेल। चयन क आधार नालंदा विश्वविद्यालय क विजन कए आगू ले जेबाक योग्यता छल्ल। ज्यूरी कए विजेता प्रविष्टि प्राचीन नालंदा क काफी निकट लागल।
ज्यूरी क सदस्य मे सिंगापुर क पूर्व चीफ टाउन प्लान डा एल्टी केर, वासेडा विवि जापान क प्रो आसामु इषियामा, सिंधुआ विवि बींजीग क प्रो ली जिआओडांग आ अहमदाबाद क सीईपीटी विवि क प्रो नीलकंठ छाया क अतिरिक्त सांसद एन के सिंह, प्रो लार्ड मेघनाथ देसाई और नालंदा विवि क कुलपति डा गोपा सभरवाल छलीह।
आठो प्रविष्टि 8 स 18 मई तक नयी दिल्ली क इंडिया गेट लग अवस्थित नेशनल गैलरी आफ मोर्डन आर्ट, टेम्पोरेरी गैलरी, ब्लाक-टू, न्यू विंग मे आम लोक कए देखबा लेल राखल जा रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Nik aa sukhad samachar.