भागलपुर । एनएच-80 क नाम बदलि देल गेल अछि, एहि सडक क नाम आब एनएच-33 क देल गेल अछि। ओतहि एनएच-31 क सेहो लंबाई बढ़ा देल गेल अछि। एकरा आब तीनटा राज्य यूपी, बिहार आ पश्चिम बंगाल स जोड़ि देल गेल अछि। मिनिस्ट्री आॅफ रोड ट्रांसपोर्ट एंड हाइवे ओना वर्ष 2010 मे इ निर्णय लेने छल, मुदा वर्ष 2013 मे जा कए एकर अधिसूचना जारी कैल गेल अछि। अधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे एखन धरि एहि सड़क क निर्माण आ मरम्मत क कार्य एनएच-80 क नाम स कैल जा रहल छल, मुदा आब नव काज एनएच-33 क नाम स स्वीकृत होएत। नाम परिवर्तन भेला स एकर लंबाई सेहो बढ़ा देल गेल अछि। पहिने जे एनएच-80 घोरघट स मिरजाचौकी मार्ग तक होइत छल, ओ एनएच-33 बनलाक बाद बिहार क अरवल, जहानाबाद, बंधुगंज, एकांगरसराय, बिहारशरीफ, मोकामा, लखीसराय, मुंगेर, भागलपुर, कहलगांव होइत झारखंड क साहेबगंज, राजमहल, बड़हड़वा क रास्ते पश्चिम बंगाल क फरक्का तक पहुंचत। अधिकारी क अनुसार आब अरवल स लकए फरक्का तक एनएच-33 कहल जाएत।
दोसर दिस एनएच-31 क सेहो लंबाई बढ़ा देल गेल अछि। एकर विस्तार आब यूपी क उन्नाव, लालगंज, रायबरेली, सलोन, प्रतापगढ़, मछलीशहर, जौनपुर, वाराणसी, गाजीपुर, बलिया, बिहार क छपरा, हाजीपुर, बख्तियारपुर, मोकामा, बेगूसराय, खगड़िया, बिहपुर, कोढ़ा, कटिहार आ पश्चिम बंगाल क हरिशचंद्रपुर, पंडुआ तक भ गेल अछि। एहि स पहिने एनएच-31 तीन पार्ट मे बख्तियारपुर स बरौनी जीरोमाइल तक 64 किमी, बरौनी जीरोमाइल स खरीक तक 114 किमी आ खरीक स पूर्णिया तक 79 किमी छल। ओना एनएच-131
कए सेहो विस्तार देल गेल अछि। एहि सडक कए बिहपुर स किशनगंज, मधेपुरा कए जोड़ैत भारत नेपाल सीमा क निकट बीरपुर तक राजमार्ग बढा देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa