ममता शंकर/ नीलू कुमारी
सहरसा/दरभंगा । बिरौलवाली भैजीक आइ आंखि नोरायल अछि। इ नोर खुशीक अछि। आब कमला क धार हुनका नैहर जेबा मे बाधा नहि बनत। 16 घंटाक दूरी आब एक घंटा 16 मिनट भ जएत। सामा हो बा भरदुतिया भौजी चट द नैइहर चल जेतीह आ पट द सासुर घुरि अउतथि। अपन खुशी कए आइ ओ नुका नहि पाबि रहल छथि। कखनो नचारी त कखनो महेशवाणी गाबि रहल छथि। भौजी क आजुक रूप ओहि विद्यापतिक जेना भ गेल अछि जेकर दुहारि पर कहियो महादेव उगना बनि आयल छलाह। महादेवक एकटा नाम नीतिश सेहो अछि जे आइ भौजी क दुहारि पर सेवा यात्रा क क्रम मे नीतीश आयल छथि। ओ दरभंगा जिला क ठेंगहा मे कमला नदी पर पुल क शिलान्यास केलथि अछि। जहिया भौजी क विवाह भेल छल तहिया कमला पर तिरहुत सरकार क बनाउल लोहा क पुल छल। 1987 क बाढि मे ओ बहि गेल। तहिया स बस नाव क सहारे लोक नदी पार क मधेपुर अबैत-जाइत अछि। सड़क मार्ग स मधेपुर क दूरी पुल क टूटला क बाद 40 किमी भ गेल। पुल बनि जाए त इ दूरी छह किमी भ जाएत। पुल बनला स दरभंगा, मधुबनी, सुपौल आ सहरसा क दूरी कम भ जाएत।
एहि ठाम कमला पर पुल क मांग पुरान अछि । मांग पूरा नहि भेला स लोक नाउम्मीमद भ गेल छल। अचानक शिलान्यास क गप आयल त पूरा इलाका गवाह बनबा लेल पहुंच गेल। नदी पर भ रहल एहि जुटान मे भौजी नहि जा सकलीह। ओना सभा मे हुनकर गामक सब गेल छल। अल्पसंख्यक टोलक सेहो लोक गेल छल।
सभा मे पहुंचल महिला कए संबोधित करैत मुख्यनमंत्री कहला जे मिथिला मे पलायन क पीड़ा असहनीय अछि। एक समय छल जखन एहि इलाका क नौजवान विवाह क बाद मुंहबज्जि (सुहागराति) दिन रेलगाड़ी क टिकट देखैत छलाह। आब स्थिति मे सुधार भेल अछि, मुदा इ सुधार उल्ले खनीय नहि अछि। हम विशेष राज्य क मांग केकरा लेल क रहल छी, अहीं सब लेल, ताकि अहां सबहक इ विरह पीडा खत्मा भ सकए। बिहार क लोक रोजगार लेल बाहर नहि जाइथि। फेर पहिने जेकां आन ठामक लोक काज करबा लेल मिथिला आबथि। नीतीश भीड़ स हाथ उठवाकए इ संकल्प लेलथि जे बेटा हो बा बेटी, ओकरा स्कूल जरूर पठायब। एहि शपथ काल सभाक अंतिम छोर पर ठार निलोफर सेहो अपन दूनू हाथ उठेने रहल। तीनटा बेटी क माइ निलोफर सेहो आइ बुझि रहल अछि जे इ दुनिया ज्ञान क दुनिया छी।
विधानसभा मे विपक्ष क नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी क विधानसभा क्षेत्र मे कमला नदी पर पुल क शिलान्यास करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे ओ विकास क नाम पर राजनीति नहि करैत छथि। हुनका लेल राज्य क जनता हुनकर परिवार अछि। राज्य क सबटा बच्चाक हुनकर बच्चां जेकां अछि, जेकर भविष्या लेल ओ चिंतित रहैत छथि। सभास्थ ल पर साइकिल स पहुंचल आरती आ सपना संग पूरा समाज थोपडी बजा मुख्यिमंत्री क भावना कए सम्माहन देबा मे पाछु नहि रहल।
जाहि ठाम नीतीश इ कहि रहल छलाह ओ ठेंगहा सिद्दीकी क विस क्षेत्र अलीनगर क हिस्सा अछि आ राजद विधायक ललित कुमार यादव क गाम तारडीह क बगल मे अछि।
अल्पससंख्यहक क बीच इ गप चर्च मे रहल जे क्षेत्र क विधायक अब्दुलबारी सिद्दीकी जखन पथ निर्माण मंत्री छलाह तखनो ओ इ पुल नहि बना सकलाह । 30 करोड़ टका क लागत स इ पुल दो साल बाद तैयार भ जाएत। मुख्यमंत्री पथ निर्माण विभाग क प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत स सभा मे इ शपथ लेलथि जे विधानसभा चुनाव लेल आदर्श आचार संहिता लागू भेला स पूर्व ओ एहि पुल क उद्घाटन करताह। मुख्यमंत्री कहला जे कमला पर आओर पुल बनेबा क जरूरत अछि। मिथिला क विकास लेल एकरा पुल आ सडक जोडब जरूरी अछि। ओ कहला जे खंड खंड मे बंटल मिथिला क लोक क दुख स ओ परिचित छथि। राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद क बिना नाम लेने ओ कहला जे जनता क खुशी मे हमर खुशी है, जनता अगर खुश अछि त हम खुश होएब। जनता क दुख हमर दुख छी। किछु लोक अपन खुशी लेल जीबैत अछि, बहुत आगू सोचलक त अपन कुल-खानदान क खुशी क इंतजाम करैत अछि। हमर परिवार त पूरा बिहार अछि। हम काज करैत छी राज्य क जनता लेल।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Bahut neek samaad, Nischit rup sa Mithila ke aur pul ke avasyakta achhi, umeed kayal jebak chahi je sarkar dhyan det.