मधेपुरा । कोशी प्रमंडल कए पर्याप्त बिजली भेटबाक उम्मीद अछि। मधेपुरा, पूर्णिया, सुपौल, सहरसा आ सोनबरसा मे धड़ल्ले स ग्रिड क निर्माण कार्य युद्धस्तर पर जारी अछि। एहि स एहि क्षेत्र कए 150 मेगावाट अतिरिक्त बिजली भेटत। पहिल चरण मे 220/132/33 केवी मधेपुरा ग्रिड क निर्माण कार्य पूरा भ चुकल अछि। जेकर उद्घाटन 6 जून कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केलथि। ग्रिड उपकेन्द्र आ एहि स सम्बन्धित संचरण लाइन क कुल लागत 99 करोड़ अछि। इ ग्रिड पूर्णिया स्थित पावरग्रिड क 400/220 केवी स 101.163 किमी 220 केवी द्विपथीय संचरण लाइन स जोड़ल गेल अछि। संगहि इ ग्रिड उपकेन्द्र 132 केवी संचरण लाइन द्वारा निर्माणाधीन ग्रिड उपकेन्द्र सोनबरसा स जोड़ल जा रहल अछि आ कार्यरत ग्रिड उपकेन्द्र सुपौल आ सहरसा स जोड़ल जा चुकल अछि। एहि ग्रिड कए सिंघेश्वरस्थान आ गम्हरिया स्थित 33/11 केवी पावर उपकेन्द्र स सेहो 33 केवी लाइन द्वारा जोड़ल जा रहल अछि। मधेपुरा (सिंघेश्वर) ग्रिड उपकेन्द्र क निर्माण कार्य पूरा भ चुकल अछि। सोनबरसा ग्रिड उपकेन्द्र कए जोड़निहार 132 केवी संचरण लाइन क कार्य प्रगति पर अछि जखनकि सहरसा आ सुपौल ग्रिड उपकेन्द्र कए जोड़निहार 132 केवी संचरण लाइन क कार्य पूरा भ चुकल अछि। 33 केवी मधेपुरा-सिंघेश्वरस्थान क कार्य पूरा भ गेल अछि आ 33 केवी मधेपुरा-गम्हरिया क कार्य प्रगति पर अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa