मोतिहारी : केसरिया-चकिया पथ मे कैथवलिया लग विराट रामायण मंदिर निर्माण स संबंधित भूमि निबंधन लेल बिहार राज्य धार्मिक न्यास पर्षद क अध्यक्ष सह महावीर मंदिर न्यास समिति पटना क सचिव आचार्य किशोर कुणाल गुरुदिन केसरिया पहुँचलथि। एहि क्रम मे केसरिया स्थित अवर निबंधन कार्यालय मे निबंधन क प्रक्रिया पूरा कैल गेल। एहि मौका पर कुणाल कहलथि जे मंदिर क ऊंचाई आब 316 फुट क बदला मे 440 फुट होएत। ओ कहलथि जे पश्चिम बंगाल क मायापुर मे इस्कान समिति लगभग 325 फुट ऊंच मंदिर क निर्माण करा रहल अछि, एहि लेल एहि मंदिर क उंचाई में बढ़ोतरी कैल जा रहल अछि। संबंधित नक्शा क तकनीकी पक्ष कए अंतिम रूप देबा लेल सूरत पठाउल गेल अछि। माइट क जांचक प्रक्रिया पूरा भ चुकल अछि। कुणाल कहला जे बरसात क बाद निर्माण कार्य शुरू भ जाए, एहि लेल प्रयास करल जा रहल अछि। मूल मंदिर 90 एकड़ भू-क्षेत्र मे होएत, जखन कि पूरा परिसर क लेल 175 एकड़ भूमि क दरकार अछि। ओ कहलथि जे फिलहाल 90 एकड़ भूमि उपलब्ध अछि। शेष लेल अधिग्रहण क प्रक्रिया जारी अछि। एहि मौका पर अवर निबंधक स्वीटी सुमन क अलावा रामायण मंदिर निर्माण समिति के अध्यक्ष ललन सिंह, बबन सिंह, साधु तिवारी, मदन सिंह, कमल सिंह आदि उपस्थित छलाह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa