औरंगाबाद : बिहार क औरंगाबाद जिला कहियो अपन कालीन लेल प्रख्यात छल। समय बदलल आ औरंगाबाद सेहो बिहारक अन्य शहर जेना अपन पहचान बिसरि गेल। सरकार आ स्थानीय लोक क प्रयास स एकबेर फेर एहि शहर कए ओकर पहचान लौटेबाक प्रयास शुरू भ गेल अछि। सुखद समाद अछि जे कालीन उत्पादन क सरकारी संस्था महफिल-ए-कालीन क आधुनिकीकरण क योजना पर काज शुरू भ चुकल अछि। जिलाधिकारी अभय कुमार सिंह कहला जे महफिल-ए-कालीन मं चारिटा नव पावरलूम लगाउल जा रहल अछि, जाहि स एक बेर फेर एहि ठाम आकर्षक आ टिकाउ कालीन क उत्पादन भ सकत। ओ कहला जे महफिल-ए-कालीन कए उत्तर प्रदेश क भदोही बाजार स सीधा जोड़ि देल गेल अछि जे एखन देश मे कालीन क सबस पैघ बाजार अछि। ओ कहला जे एहि स बुनकर कए कई प्रकार क सुविधा सेहो भेटत। श्री सिंह कहला जे महफिल-ए-कालीन कए बाजार उपलब्ध करेबा लेल आ बुनकर कए हरदम काज उपलब्ध करेबा लेल मुंबई क एकटा निजी कंपनी स समझौता सेहो कैल गेल अछि। इ कंपनी कालीन क आयात -निर्यात लेल प्रख्यात अछि आ कंपनी महफिल-ए-कालीन क उत्पाद स इतिहास मे परिचित रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa