पटना : पटना क लोक लेल मेट्रो रेल क सपना शीघ्र साकार होएत। बुधदिन राइट्स एकर पहिल प्रोजक्ट रिपोर्ट सरकार कए सौंप देलक। सूत्रक कहब अछि जे राइट्स अपन रिपोर्ट में कईटा नव तथ्य कए रखलक अछि। ओना पदाधिकारी एहि संबंध मे तत्काल किछु कहबा स मना केलथि। विभागक एकटा पैघ अधिकारी क कहब छल जे राइट्स पटना मेट्रो क डीपीआर बना रहल अछि आ एजेंसी अपन पहिल अंतरिम रिपोर्ट सरकार कए सौंप देलक अछि, मुदा एहि संबंध मे ता धरि किछु कहब संभव नहि अछि जा धरि मुख्यमंत्री एहि रिपोर्ट कए नहि देखि लैत छथि। ज्ञात हुए जे 18 जून कए पटना मेट्रो रेल लेल डीपीआर तैयार करबाक काज शुरू भेल छल। एहि दिन एमओयू पर हस्ताक्षर कैल गेल छल। एग्रिमेंट पर हस्ताक्षर राइट्स लिमिटेड के निदेशक (परियोजना) अरविंद कुमार आ राज्य सरकार क नगर विकास विभाग क सचिव केलथि। एहि मौका पर बीयूआईडीसीओ क प्रबंध निदेशक अनुपम सुमन आ नगर विकास विभाग क निदेशक जय सिंह सेहो उपस्थित छलाह। समझौता क बाद उम्मीद कैल जा रहल अछि जे व्यवहायर्ता रिपोर्ट सितंबर तक आ फाइनल डीपीआर दिसंबर तक प्रस्तुत क देल जाएत, मुदा समय स पूर्वहि व्यवहायर्ता रिपोर्ट सौंप देल गेल अछि। व्यवहायर्ता अध्ययन मे पटना सिटी आ दानापुर (लगभग 30 किलोमीटर) कए कवर कैल गेल अछि। राइट्स लिमिटेड क निदेशक (परियोजना) कहला अछि जे डीपीआर मे पटना मेट्रो रेल लेल विश्वस्तरीय तकनीकी क इस्तेमाल करबाक सलाह देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa