सात सौ करोड़ क एहि परियोजना स भेटत 25 हजार लोक कए रोजगार
पटना/भागलपुर : मेगा फूड पार्क लेल 80 एकड़ जमीन ताकल जा रहल अछि। फ्रूटी नामक पेय बनेनिहारि कंपनी केवेंटर एग्रो लिमिटेड क एहि परियोजना लेल राज्यक कईटा जिला दावेदार अछि। करीब सात सौ करोड़ क एहि परियोजना स 25 हजार स बेसी लोक कए रोजगार भेटत। ज्ञात हुए जे इ पार्क पहिने भागलपुर मे स्थापित हेबाक छल, मुदा ओहि ठाम जमीन उपलब्ध नहि भेला स एहि परियोजना लेल आब दोसर जिला मे जमीन ताकल जा रहल अछि।
कंपनी क निदेशक एमके जालान एकटा समाचार पत्र कए देल साक्षात्कार मे कहला अछि जे कहलगांव स्थित बियाडा क भूमि पर कब्जा नहि भेटबाक कारण मेगा फूड पार्क भागलपुर मे नहि लागि पाउत। हम एहि परियोजना लेल दोसर जिला मे जमीन ताकि रहल छी। ओ कहला ले केंद्र सरकार क खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालय स काफी कोशिश क बाद एहि प्रोजेक्ट कए बिहार आनल गेल छल। 2010 मे देश क पांचटा जिला लेल इ योजना स्वीकृत भेल छल, जाहि मे एकटा बिहार जिला भागलपुर सेहो छल। खाद्य प्रसंस्करण मंत्रालय एहि क्षेत्र मे आम, लीची, मक्का आ केरा क वृहद पैदावार कए देखैत योजना देने छथि। जालान कहला जे करीब दू साल तक जमीन लेल हम बाट ताकल, मुदा जखन जमीन नहि भेटल त आब दोसर जिला मे जमीन ताकि रहल छी। जुलाई मास मे बिहार सरकार आधिकारिक रूप स केंद्र कए बता देलक जे एहि परियोजना लेल दोसर जिला मे जमीन ताकल जा रहल अछि। एक दिस जतए कहलगांव लेल इ दुर्भाग्य रहल त दोसर दिस दरभंगा आ मधुबनी लेल इ एकटा अवसर क रूप मे देखल जा रहल अछि। दरभंगाक स्थानीय विधायक संजय सरावगी एहि संबंध मे पूछला पर कहला जे दरभंगा मे एहि परियोजना लेल जमीन क व्यवस्था कैल जाएत। अगर बियाडा लग एतबा जमीन नहि उपलब्ध होएत त निजी स्तर पर लोक एहि परियोजना लेल जमीन क व्यवस्था करबा लेल तैयार अछि। ओ एहि संबंध मे शीघ्र विभागीय पदाधिकारी स संपर्क करबाक गप कहलथि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa