
पटना : आॅटो क बाद आब पटना क महिला जल्द अहां कए कैब क स्टेयरिंग थमने देखा जेतीह। आॅटो मे सफल प्रयोग क बाद आब पटना मे जोर शोर स महिला कए टैक्सी चलेबाक प्रशिक्षण देबाक तैयारी भ रहल अछि। महिला आॅटो क सफल परिचालन स उत्साहित महिला एहि मे महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल छथि। बिहार स्टेट आॅटो चालक संघ आॅटो क बाद महिला कए चारि चक्का चलेबाक प्रशिक्षण देबाक फैसला लेलक अछि। इ प्रशिक्षण अक्टूबर क पहिल सप्ताह स शुरू होएत। एकर संगहि आॅटो आ कैब चलेनिहारि सब महिला कए कराटे क सेहो प्रशिक्षण देल जाएत। इ प्रशिक्षण पटना क ब्लैक बेल्ट विजेता नेहा कुमारी देतीह।
संघ क महासचिव राजकुमार झा कहला अछि जे संघ प्रशिक्षित महिला कए आॅटो क भाति गाड़ी क लेल सेहो बैंक स ऋण उपलब्ध कराउत। ओ कहला जे एहि संबंध मे परिवहन विभाग क प्रधान सचिव स गप भ चुकल अछि। विभाग प्रशिक्षित महिला सब कए विशेष सुविधा देत। विभाग ई-लर्निग लाइसेंस क प्रक्रिया कए आओर सरल बनाउत आ कमर्शियल लाइसेंस बनि गेला पर टैक्स क टका घुरा देत। महासचिव कहला जे महिला आॅटो पटना मे बहुत सफल रहल आब इ प्रयोग बिहार क अन्य जिला मे कैल जा रहल अछि। अगिला किछु मास मे वैशाली, जहानाबाद, कटिहार, मुजफ्फरपुर सन किछु जिला मे महिला आॅटो सेवा शुरू भ जाएत। एहि जिला सब मे इच्छुक महिला सब स आवेदन मांगल जा रहल अछि। पटना जेना आन ठाम सेहो महिला कए वाहन चालन क प्रशिक्षण क संगहि लाइसेंस आ बैंक स ऋण लेबा मे मदद कैल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
 
			 
		    



 
                                


Bahut Bahut swagat hinka Sab ke. Subhkamana Je e safal heti.