सहरसा । सहरसा जिला क खगड़िया स्थित बदलाघाट-धमारा घट स्टेशन क बीच सोमदिन भोर एकटा दर्दनाक दुर्घटना मे करीब 37 गोटे क जान चल गेल। मृतक मे अधिकतर महिला आ बच्चा अछि। घटना क बाद उपद्रवी सब ट्रेन चालक कए पीट-पीट कए मारि देलथि आ स्टेशन पर ठार रेलगाडी मे आगि लगा देलथि। दोसर चालक गंभीर रूप स घायल छथि। सूत्र क अनुसार लोक रेलपटरी पर छलथि तखने ट्रेन आयल आ लोक कए कटैत निकली गेल। जानकारक कहब अछि जे चालक क सूझबूझ स बहुत लोकक जान बचल। गाडी करीब 80 किमी क रफ्तार पर छल, मुदा चालक ओकरा जेना तेना रोकलक आ बहुत लोक कए जान बचि गेल। ओना इ दुखद जे चालक कए पुरस्कार मे मौत देल गेल। घटना क बाद एहि खंड पर रेल सेवा बाधित अछि। जानकारी क अनुसार धमारा घाट मे स्थित कात्यायनी मंदिर मे सोमवारी पर जल चढ़ेबा लेल लोक जमा छल। मंदिर इलाके मे भीड़ क कारण लोक रेल पटरी पर छल, तखने राज्यरानी एक्सप्रेस आबि गेल। ओकर ठहराव ओहि ठाम नहि छल ताहि लेल रफ्तार सेहो कम नहि छल। धमारा मे सड़क अभाव अछि, आवागमनक कोनो आन साधन नहि अछि। राज्य सरकारक कहब अछि जे सडक क प्रस्ताव मंजूर अछि आ डीपीआर बनि गेल अछि। ज्ञात हो जे सहरसा-मानसी रेलखंड स्थित धमारा घाट रेलवे स्टेशन लग करीब 32 वर्ष पूर्व 6 जून, 1981 मे भेल भीषण ट्रेन दुर्घटना मे समस्तीपुर-सहरसा पैसेंजर ट्रेन आपातकालीन ब्रेक लगला स कोसी नदी मे समा गेल छल जाहि मे 200 गोटे मारल गेल छल। आइ कम स कम चालक इ गलती नहि केलक।
हेल्पलाइन नंबर
पटना- 0612-2206965, 0612-1072 (टॉल फ्री)
समस्तीपुर- 06274-221741
खगड़िया- 06244-222049
मानसी- 06244-233234
प्राप्त मृतक क नाम
किशोर महतो – चौथम खगड़िया
दुखा यादव – मानसी
दुखनी देवी – खुटिया मानसी
सौरभ कुमार – खुटिया मानसी
जर्नाधन यादव -रानी सखवा – खगड़िया
सत्यनारायण साह – खगड़िया
शंभु पासवान – चौथम
कालेश्वर राम – अलौली
मीरा देवी – मानसी
सोगारथ सिंह- चौथम
सूचन देवी-पतराहा
जीछो देवी-नरारायणपुर
लक्ष्मी यादव- वफसिल
रामगिरीश कुमरार- खगडिया
पिंटू कुमार – खगडिया
संगीता देवी-भदास
प्रेमराज- भदास
रामराज-भदास
धनिया देवी-साहेबपुर कमाल
रामपरि देवी- सलखुआ
सुशीला देवी- मानसी
सुभत पासवान-चौथम
चारिटा ट्रेन रद्द
-15209 सहरसा-अमृतसर
15273 सहरसा -बरौनी
12568 पटना -सहरसा
15282 पटना – सहरसा
चारिटा ट्रेनक समय मे परिवर्तन
12203 – गरीब रथ बरौनी तक
13164 – हाटेबाजार एक्सप्रेस मानसी तक
23225 सहरसा-बरौनी लिंक एक्सप्रेस खगड़िया तक
15210 जनसेवा एक्सप्रेस बरौनी तक
। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa