दरभंगा: दरभंगा नगर निगम क उदासीनता क कारण शहर एकटा एहन योजना स वंचित भ रहल अछि जे शहर कए एकटा नव परिचय द सकैत छल। दरभंगा क गिनती देशक किछु व्यवस्थित शहर मे छल आ एखनो इ तेजी स विकसित भ रहल शहरक सूची मे अछि। कोनो शहर क सबस पैघ जरूरत ओकर सार्वजनिक आधारभूत संरचना होइत अछि। बिहार सरकार एक दिस झाडालय (शौचालय) क विकास लेल प्रयासरत अछि त दोसर दिस एहि शहर मे सार्वजनिक झाडालय क गप इतिहास जेकां भ चुकल अछि। ताबड़तोड़ बढ़ैत जनसंख्या क बावजूद निगम क झाडालय निर्माण मे कोनो दिलचस्पी नहि देखा रहल अछि। पुरान झाडालय आब खंडहर समान भ चुकल अछि। एहन मे शहर कए सुचिता देबा लेल नव सार्वजनिक झाडालय निर्माण लेल आगू आयल एकटा संस्था क प्रस्ताव कए सेहो निगम तख्खा पर राखि देलक। शहर क दू लाख य बेसी आबादी आ बाहर स रोज अबनिहार पाहुनक लेल 1972 मे बन नौटा सार्वजनिक झाडालय महज कहबा लेल चलि रहल अछि। ओकर सबहक स्थिति एतबा जर्जर भ चुकल अछि जे दूटा कए बंद क देल गेल अछि। शहरक इतिहास आ जरुरत कए देखैत स्वयं सेवी संस्था आॅल इंडिया इनवायरमेंट एंड एजुकेशनल सोशल वेलफेयर सोसाइटी अपन खर्च पर शहर मे 16टा सार्वजनिक मॉडर्न झाडालय निर्माण करबाक अनुमति निगम स मंगने छल। संस्था तीन करोड़ टका खर्च क शहर कए एकटा नव रूप देबाक प्रस्ताव तैयार केने छल। एहि दिशा मे तत्कालीन नगर आयुक्त केबीएन सिंह दिलचस्पी सेहो देखेने छलाह। छहटा स्थान पर निर्माण कार्य लेल संस्था आ निगम क बीच 11 अप्रैल कए समझौता सेहो भेल। शहर क आवागमन कए देखैत निगम शहर क चारू दिशा मे झाडालय निर्माण लेल समझौता संस्था स केने छल। एहि मे रेलवे स्टेशन, बेंता चौक, डीएमसीएच क मुख्य दुहारि आ गायनिक वार्ड, लहेरियासराय आ मुफ्ती मोहल्ला क अंबेदकर कॉलोनी शामिल छल। मुदा बाद मे एकरा नव नगर आयुक्त विचाराधीन बना देलथि। संस्था कए एखन धरि काज शुरू करबाक स्वीकृति नहि देल गेल अछि। संस्था डीएम कए पत्र लिखकए दिल्ली मोड़ स्थित निमार्णाधीन बस स्टेंड मे सेहो डीलक्स सार्वजनिक झाडालय आ स्नान घर बनेबाक प्रस्ताव देने छल। एकरा लेल जिला योजना पदाधिकारी नगर निगम कए एक सप्ताह क अंदर मंतव्य देबा लेल कहने छलाह। 16 अगस्त स निगम मे इ फाइल तख्खा पर गरदा खा रहल अछि। एहि संबंध मे एआइइएएसवीएस क अध्यक्ष रामकुमार राय निगम प्रशासन स बेर-बेर संपर्क करबा पर सेहो निर्माण क स्वीकृति नहि द रहल अछि। कहल गेल अछि जे अहां सब स बसी टका शहर लेल सरकार लग अछि आ सरकार इ काज करत। निगम क इ कहब सेहो अछि जे ओ अपन बल पर बेहतर झाडालय क निर्माण करबा मे समर्थ अछि। एहन मे संस्था अपन प्रस्ताव आब आन शहर लेल बनेबा पर विचार क रहल अछि। दोसर दिस महापौर गौरी पासवान क कहब अछि जे हम चाहैत छी जे शहर मे मॉडर्न झाडालय क निर्माण हुए, मुदा एहि स निगम कए राजस्व क क्षति भ रहल अछि। ओना पासवान इ कहलाह जे एखन धरि प्रस्ताव कए खारिज नहि कैल गेल अछि इ विचाराधीन अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
dukhad