• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नबका साल मे भेटत सिटी बस सेवा क सौगात

December 6, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना, बोधगया क बाद भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आओर मुंगेर मे चलत सिटी बस कुल 460 बस दौड़त, पहिने पटना आ बोधगया मे चलत 300 बस।

पटना। नबका साल से पटना आ बोधगया मे बहुप्रतिक्षित सिटी बस सेवा चालू भ जाएत। एहि क बाद आन 9 नगर निकाय क लेल सेहो सिटी बस सरपट दौड़य लागत। यानी नववर्ष मे सूबा वासी कए सिटी बस क तोहफा भेटय जा रहल अछि। बस परिचालन क लेल 300 बस खरीदबाक प्रक्रिया पूरा भ गेल अछि। सभटा लो फ्लोर क अत्याधुनिक बस अछि। राज्य मंत्रिपरिषद बस क परिचालन क लेल हरीयर झंडी द देने अछि। नगर विकास वा आवास विभाग क संयुक्त सचिव सह निदेशक जय सिंह बतेलथि कि अगि‍ला एक डेढ़ महीना मे पटना वा बोधगया मे सिटी बस चालू भ जाएत। बस क सही ढंग स रखरखाव वा परिचालन क लेल राज्य सरकार पथ परिवहन निगम स भिन्‍न एकटा अलग कंपनी क गठन केने अछि। बिहार शहरी ट्रांसपोर्ट कारपोरेशन लिमिटेड (बिहार अरबन ट्रांसपोर्ट कारपोरेशन लिमिटेड) कए रूप मे नबका कंपनी क गठन भेल अछि। नब कंपनी पटना वा बोधगया सहित आन 9टा शहर मे बस क परिचालन करत। बस खरीद स ल कए किराया वसूलबाक काज सेहो नबका कंपनी करत। पहिने नगर विकास वा आवास विभाग पटना आ बोधगया शहर क लेल 460 बस क परिचालन कए निर्णय लेने छल, मुदा ताजा परिस्थिती मे विभाग पटना आ बोधगया समेत 9 निगम मे सिटी बस सर्विस शुरू करबाक निर्णय लेने अछि। जाहि से आब सिटी बस सर्विसेज क बस पटना, बोधगया, भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आओर मुंगेर मे चलत। इ सभ बस केन्द्र सरकार क जवाहरलाल नेहरू शहरी नवीनीकरण मिशन (नुरूम) योजना क तहत चलाओल जाएत। ज्ञात होए कि पटना मे बढ़ैत जनसंख्या आऔर पर्यटन क दृष्टिकोण स बोधगया क महता कए देखैत इ दुनू शहर मे सिटी बस सर्विस शुरू करबाक  प्रयास पिछला छह साल स चलि रहल अछि। शुरूआती दौर मे साल 2007 मे पटना नगर निगम क देखरेख मे इ सर्विस शुरू होनाय छल, मुदा अखैन तक इ योजना धरातल पर नहि‍ उतरि‍ सकल। ट्रैफिक क समस्या इ योजना मे पैघ बाधा छल। नगर विकास विभाग क संयुक्त सचिव जय सिंह बतेलथि कि पटना वा बोधगया मे सिटी बस शुरू भेलाक बाद जल्‍दीये राज्य क आन 9टा नगर निगम मे सिटी बस क परिचालन क प्रक्रिया शुरू कए देल जाएत। पटना वा बोधगया मे 300 बस चलत आऔर शेष 160 बस भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, आरा, बिहारशरीफ, बेगूसराय, कटिहार आऔर मुंगेर मे चलत। सूत्र क अनुसार दानापुर स बेली रोड होइत गांधी मैदान, गांधी मैदान स संत माइकल स्कूल होइत दानापुर, महात्मा गांधी सेतु स कंकड़बाग मेन रोड होइत चिरैयाटांड- करबिगहिया-अनीसाबाद आ चितकोहरा रेलवे ओवरब्रिज स हार्डिग रोड होइत जीपीओ गोलंबर तक सिटी बस सेवा सर्विस शुरू करबाक तैयारी चलि‍ रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नालंदा में बनत अंतरराष्ट्रीय स्तर क क्रिकेट स्टेडियम

Esamaad Epaper Website

29 दिसम्बर कए देल जाएत अयाची छात्रवृत्ति

Esamaad Epaper Website

ऑन लाइन परीक्षाक क्षेत्र मे दरभंगा क पैघ डेग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि