पटना । आखिरकर ऊर्जा मंत्रालय, भारत सरकार बांका जिलान्तर्गत ककवारा मे 4000 मेगावाट क्षमताक अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबाक स्वीकृति प्रदान क देलक। एहि स बिहार कए 2000 मेगावाट बिजली भेटत। सबस पैघ गप जे एहि संयंत्र लेल कोल ब्लाक क व्यवस्था भ गेल अछि। इ प्रोजेक्ट ऊर्जा क क्षेत्र मे पैघ उपलब्धि अछि। प्रोजेक्ट लेल तीन हजार एकड़ भूमि क आवश्यकता छल जेकर व्यवस्था पहिने क लेल गेल अछि। चयनित भूमि बंजर भूमि अछि । प्रोजेक्ट क लागत करीब 32 हजार करोड़ आउत। एहि स वर्ष 2019-20 तक जेनरेशन शुरू भ जाएगा। राज्य क ऊर्जा मंत्री विजेंद्र यादव इ जानकारी देलथि। ज्ञात हो जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव अल्ट्रा मेगा प्रोजेक्ट लेल काफी दिन स प्रयास क रहल छलाह। प्रदेश मे बिजली उत्पादन स संबंधित एहन प्रोजेक्ट आइ धरि नहि लागल छल। एकरा लेल राज्य सरकारक बेगरता एहि स प्रकट होइत अछि जे बिहार इंफ्रास्टक्चर भूमि तकबा मे मात्र एक सप्ताह क समय लेलक। एकर बाद केन्द्रीय टीम जाहि मे केन्द्रीय विद्युत प्राधिकरण क निदेशक पीडी शिवाल, सचिव एमएस पुरी, मुख्य अभियंत अरुण कुमार जैन, पावर फाइनेंस कारपोरेशन क सलाहकार डीके गोल्होत्रा सहित अन्य अधिकारी शामिल छलाह से जमीन देखि एहि परियोजना कए मंजूरी देबा लेल फाइल आगू बढेलथि। अंतत: ऊर्जा मंत्री ज्योतिरादित्य सिंधिया एहि परियोजना कए मंजूरी प्रदान क बिहार क चिरपरिचित मांग कए पूरा क देलथि। ज्ञात हो जे राज्य सरकार कए बाढ़ थर्मल पावर मे 50 फीसदी हिस्सेदारी भेटल आ बरौनी थर्मल लेल कोल लिंक देल गेल। दोसर दिस बिहार सरकार चौसा, बक्सर आ कजरा मे पावर प्लांट लगेबाक तैयारी सेहो शुरू क देलक अछि। ओना एकरा लेल एखन धरि कोल ब्लाक नहि भेटल अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड क जनसंपर्क निदेशक हरेराम पाण्डेय क कहब अछि जे अल्ट्रा मेगा पावर प्रोजेक्ट लगलाक बाद प्रदेश क बिजली समस्या एकटा इतिहास बनि जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa