बिहार विधान परिषद क पूर्व सभापति ताराकांत झा क रबि दिन निधन भए गेलथि । ओ 87 वर्ष क छलथि आओर बहुत काल से बीमार छलथि । लोकसभा चुनाव स ठीक पहिने ओ भाजपा स नाता तोड़ि कए जदयू मे शामिल भेल छलथि । तारा बाबू अपन राजनीतिक जीवन क शुरुआत आरएसएस से केने छलथि । संगे ओ बिहार मे जनसंघ क संस्थापक मे स सेहो छलथि । जनसंघ क बाद भाजपा क जमीन तैयार करबा मे सेहो हिनकर अहम भूमिका छलथि ।
भाजपा कोटा से ओ विधान पार्षद बनल । अगस्त 2009 से मई 2012 तक बिहार विधान परिषद क सभापति रहलथि । 11 जुलाई 1927 क हिनकर जन्म भेल छलथि । तारा बाबू 1956 मे वकालत शुरू केलथि । ओ प्रदेश क महाधिवक्ता सेहो बनल । मिथिला आंदोलन क प्रखर नेता तारा बाबू क योगदान मैथिली क अष्टम सूची में शामिल करेबा में सेहो अछि । मिथिला क्षेत्रक विकाश आ उत्थान क लेल हिनकर योगदान कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मानैत अछि ।
अंतिम संस्कार आय : तारा बाबू का अंतिम संस्कार राजकीय सम्मान क संग आय होएत । हुनकर पार्थिव शरीर पहिने विधानमंडल परिसर, फेर जदयू दफ्तर आ बीजेपी कार्यालय आनल जाएत । एता स हिनका दीधा घाट लए जाएल जाएत । जतय हिनकर अंतिम संस्कार करल जाएत ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa, Tara Babu, Tarakant Jha