• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भाजपा लेल राजनीतिक रूप स महत्वहीन भेल ब्राह्मण आ मुसलमान

November 9, 2014
in विचार, समाचार
A A

फेर नहि आयल शाहनवाज क मौका 

भूराबाल स बाहर कैल गेल ‘बा’

कैबिनेट जोकर नहि रहल भूमिहारक कद

आशीष झा/ कुमुद सिंह

मोदी मंत्रिमंडलक विस्तार मे बिहार स तीटा आओर सांसद मंत्री बनलाह। मुदा इ विस्तार क रूपरेखा देखि बहुत रास सवाल उठैत अछि। अगिला साल बिहार मे विधानसभा क चुनाव अछि। एहन मे मंत्रिमंडल विस्तार क माध्यम स भाजपा विधानसभा लेल अपन जातीय प्राथमिकता तय क देलक अछि। महागठबंधन क बाद भाजपा क इ प्राथमिकता सूची काफी मायने रखैत अछि। पार्टी तय क चुकल अछि जे ओ बहुसंख्यक आ सामाजिक रूप स मजबूत जाति क भरोसे चुनाव क वैतरणी पार करत। ओकर मंत्री क सूची मे कोनो महादलित या अतिपिछड़ा नहि अछि। संगहि ओ बिहार में ”भूराबाल” मे स ”बा” कए बाहरी मानि चुकल अछि आ एमवाइ समीकरण कए तोडबा लेल ओकर एम से बेसी वाइ पर ध्यान अछि। भाजपा लेल आब ब्राह्मण आ मुसलमान दूनू राजनीतिक रूप स महत्वहीन जाति भ चुकल अछि। ब्राहमण कए उच्चजाति क अभिन्न अंग माननिहार लेल इ संदेश साफ अछि जे अहां भूराबाल क हिस्सा नहि छी। ओना मुसलमानक उपेक्षा भाजपा लेल मुश्किल अछि किया त यादव कए राम भरोसे तोडब मुश्किल अछि। एहन मे बिहारक मुसलिम चेहरा शाहनवाज क बदला में उत्तर प्रदेश स नकबी क चयन बुझबा मे नहि आबि रहल अछि। शाहनवाज कए कोन मौका लेल बचा राखल जा रहल अछि इ त भाजपा कहत, मुदा हिनक उपेक्षा महज चुनाव हारला स नहि कैल जा सकैत अछि। जाहि कैबिनेट में जेटली आ स्मृ्ति सन चुनाव हारल नेता कैबिनेट मंत्री छथि, ओहि ठाम योग्यता आ अनुभव क आधार पर शाहनवाजक दावा त बनैत अछि। वाजपेयी सरकार मे ओ सबस कम बैसक मंत्री छलाह, संगहि हुनक कार्यकाल सेहो नीक कहल जाइत अछि। ओना योग्यता आ अनुभव क आधार पर कैबिनेट विस्तार नहि भ सकल अछि। देखल जाय त बिहार स मंत्री चुनबाक क आधार नहि त अनुभव या योग्यता रहल, नहिये क्षेत्रीय संतुलन आ नहिये जातिगत आधार कए संतुलित करबाक कोशिश एहि मे देखा रहल अछि। राजीव प्रताप रुडी कए राज्यमंत्री क ओहदा कोनो आधार पर न्यायोचित नहि लागि रहल अछि। रुडी मंत्री क संग संग संगठन मे सहो लंबा अनुभव रखैत छथि, एहन में हुनका स कम अनुभव रखनिहार कैबिनेट मे स्थान पाबि लेलक अछि। बिहार में रुसल भूमिहार आइ जरूर मुस्किया रहल छथि, मुदा इ टीस हुनका जरूर अछि जे आइ हुनकर दर्जा कैबिनेट मंत्री क नहि रहल। जहां धरि रामकृपाल क सवाल अछि त हुनकर माध्यम स भाजपा आन दल से नेता कए पार्टी दिस लुभेबाक कोशिश केलक अछि। दरअसल रामकृपाल अपन जातिक वोट केतबा दिया सकता एकर त दावा ओ खुद नहि क सकैत छथि मुदा हुनका मंत्री बना मोदी इ दावा क सकैत छथि जे मंत्री बनबा लेल भाजपा क पुरान वफादार या संघ क सेवक होयब जरूरी नहि अछि। आन दल स भाजपा मे आयल नेताक पार्टी में उपेक्षा नहि कैल जायत अछि। ओना एहि मंत्रिमंडल विस्तार स दूटा गप साफ भ गेल। पहिल त भाजपा ओहि जाति क नेता कए मंत्री बनेलक अछि जे बिहार मे मुखर अछि। गांव स ल कए शहर तक आ चौक स ल कए सोशल मीडिया तक जोर-शोर स बहस करैत अछि। प्रचार क लामबंदी करैत अछि। राजपूत, भूमिहार आ यादव कए रुसला पर बिहार मे मुखर विरोध तेज भ जाइत अछि जाहि स आन जातिक वोटर सेहो लामबंद भ जाइत छथि। ताहि लेल कोनो पार्टी हिनकर विरोध स बचय चाहैत अछि। देखबाक चाही जे नरेंद्र मोदी आ भाजपा एहि मे केतबा सफल होइत छथि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

 

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पहिल मैथिली लिटरेचर फेस्टीवल 12 स पटना मे

अहिंसा आ सूचिता स समाज मे आउत बराबरी : बिंदेश्वर पाठक

Esamaad Epaper Website

बिहार छुअत आकाश, डाटाविंड करत निवेश

Comments 1

  1. पशुपति झा says:
    11 years ago

    बिहार में रोजगार के अवसर लोगो को मिले , पलायन कम हो ये अच्छी बात है , मगर राजनिती के घाट न चट जाए ये योजनाए , आशंका इस बात का है |

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि