पटना । राजेंद्र कृषि विवि आखिरकार केंद्रीय विवि क दर्जा पाबि लेलक । एहि संबंध मे रविदिन बिहार सरकार आ केंद्र सरकार क बीच एमओयू पर हस्ताक्षर भेल । एहि अवसर पर केंद्रीय कृषि मंत्री राधामोहन सिंह कहला जे बिहार क एकटा पूसा दिल्ली गेल, हम ओहने दूटा संस्था कए बिहार मे स्थारपित करै जा रहल छी। ओ एक संग कईटा घोषणा केलथि। ओ राज्य मे करनाल क डेयरी रिसर्च इकाई, गन्ना अनुसंसाधन केंद्र आ सूखा रिसर्च इंस्टीट्यूट खोलबाक घोषणा केलथि । ओ कहला जे छह मासक अंदर सारण मे कृषि कॉलेज खोलि देल जाएत । सीतामढ़ी-मधुबनी मे फिशरीज कॉलेज, नवादा, गया, औरंगाबाद आ मुंगेर क्षेत्र मे सेहो कृषि कॉलेज खोलल जाएत । डिम्ब्ड यूनिवर्सिटी क सेहो केंद्र बिहार मे खोलत । ओ कहला जे बिहार लेल केंद्र स टका देबा मे कोताही नहि कैल जाएत । बिहार सरकार स कृषि योजना क राशि खर्च करबाक अपील करैत ओ कहला जे 13-14 मे 500 करोड़ देल गेल छल आ मात्र 250 करोड़ खर्च भेल । एहि स कोनो मंत्री या सरकार क नुकसान नहि, बल्कि इ किसान क नुकसान छी। केंद्रीय मंत्री मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी क जिक्र करैत कहला जे बिना राज्यष क सहयोग क संघीय व्यावस्थाल सुचारू रूप स काज नहि क सकैत अछि। एहि संस्थानन कए केंद्रीय कृषि विवि क दर्जा देबा क मामला पांच वर्ष स अटकल छल । देरी क कारण जे सामने आयल, ओकर सार्वजनिक चर्चा नहि करब, मुदा मांझी एहि मामला पर सकारात्मक पहल केलथि आ इ सपना साकार भेल। ओ कहला जे विकास क मामला मे कखनो राजनीति नहि होएत। बिहार केंद्र स कृषि लेल जेतबा मंगलक अछि ओहि स बेसी देल जा रहल अछि। ओ कहला जे सिंचाई क व्यवस्था ठीक करबा लेल केंद्र सरकार चारिटा योजना कए मिला कए मार्च तक प्रधानमंत्री सिंचाई योजना शुरू करत। किसान कए स्वायल हेल्थ कार्ड देब दोसर प्रमुखता अछि। एकरा लेल स्वायल हेल्थ लैब स्थापित होएत । बिहार कए चालू वित्तीय वर्ष मे 6टा लैब क स्थापना लेल 6 करोड़ देल गेल अछि। बिहार क कृषि विज्ञान केंद्र मे 10टा वैज्ञानिक क संगहि एक ट्रैक्ट आ दो मोटरसाइकिल देल जाएत। सचिवालय संवाद कक्ष मे आयोजित कार्यक्रम मे मुख्यनमंत्री केंद्रीय कृषि मंत्री राधामोहन सिंह कए धन्यावाद दैत कहला जे मांझी गरीब अछि, मदद करू। हम मदद करनिहार कए धन्यवाद दैत रहब, चाहे ककरो पेट मे दर्द हुए। माझी केंद्र सरकार कए नालंदा क खंडहर कए वर्ल्ड हैरिटेज मे शामिल करेबा लेल सेहो धन्यवाद देलथि। ओ कहला जे अमित शाह कहैत छथि जे बिहार मे सरकार बदलत तखन विशेष राज्य क दर्जा देब, पहिने द देल जाये, हम खूब धन्यवाद देब। ओ केंद्रीय कृषि मंत्री कए आश्वस्त केलथि जे कृषि क विकास लेल संस्थान खोलबा लेल जमीन क कमी नहि होएत। पीपराकोठी मे सुगरकेन इंस्टीट्यूट लेल 100 एकड़ जमीन उपलब्ध भ चुकल अछि । नेशनल डेयरी, फिशरीज आ अन्य संस्थानलेल जमीन ताकल जा चुकल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे इंदिरा आवास क जगह गरीब कए रोजगार देल जाये ।सीएम समान शिक्षा देबा पर जोर दैत कहला जे आईएएस अधिकारी विजय प्रकाश क बेटा देहरादून आ गरीब जीतन क बेटा कोनो छोट सरकारी स्कूल मे नहि पढत। कर्पूरी जी सेहो समान शिक्षा क गप करैत छलाह ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa