• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

डीएमसीएच बनल सबस पैघ अस्पताल

February 5, 2015
in समाचार
A A

डीएमसीएच बनल सबस पैघ अस्पताल

वर्तमान 980 बेड संग जुडल 960 बेड वाला सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पताल

1878 मे सहो छल दरभंगा मे संयुक्तप बंगालक दोसर सबस पैघ अस्पीताल

पटना । इतिहास एक बेर फेर दोहरा गेल। दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) कए बिहार क दोसर आ उत्तर बिहार क सबस पैघ अस्पताल बनेबाक मंजूरी भेट गेल अछि। एहि ठाम 960 बेड क एकटा अलग सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल बनत, जाहि मे इमरजेंसी समेत सब तरह क सर्जरी क सुविधा रहत। डीएमसीएच परिसर मे प्रस्तावित एहि अत्याधुनिक सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पताल क निर्माण लेल स्वास्थ्य विभाग 579 करोड़ रुपए क योजना कए स्वीकृति द देलक अछि। निर्माण मे पर्यावरणीय मानकक पूरा ध्यान रखबा लेल एकरा ‘ग्रीन बिल्डिंग प्रोजेक्ट’ नामकरण कैल गेल अछि। उल्लेयखनीय अछि जे 1878 मे तिरहुत सरकार महाराजाधिराज लक्ष्मेश्वर सिंह संयुक्त  बंगाल क दोसर आ बिहार क सबस पैघ 280 बेड वाला अस्पाताल लेडी डेफरीन नाम पर दरभंगा मे स्था्पित केने छलाह। एहि अस्प ताल मे देशक चर्चित डाक्टर इलाज करैत छलाह। 1925 मे तिरहुत सरकार महाराजाधिराज रामेश्वलर सिंह दरभंगा मे एहि अस्पडतालक संग टेम्लेम क नाम पर एकटा मेडिकल स्कूहल खोलल गेल, जे 1946 मे कॉलेज क दर्जा पाबि लेलक, जे आइ दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) क नाम स प्रसिद्ध अछि। जखन कि लेडी डेफरीन अस्पगताल 1934 मे क्षतिग्रस्त भवन क मरम्मत क बाद लेडी बेल्डिंगटन हास्पीटल क नाम पर प्रसिद्ध भेल। वर्तमान मे 280 बेड क इ अस्प ताल महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह चैरिटेबुल न्याटस क तहत संचालित होइत अछि।

एकहि भवन मे बनत कैजुएल्टी, रेडियोलॉजी आ सेंट्रल लैब

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) परिसर मे प्रस्तारवित अस्पताल क खासियत इ रहत जे एहि ठाम ट्रॉमा यानी दुर्घटना आ अति गंभीर मरीज लेल 24 घंटा सुदृढ़ सुविधा रहत। संगहि एकहि भवन मे ऑपरेशन आ ओहि मे सहयोग लेल सब तरह क (रेडियोलॉजी आ पैथोलॉजी) जांच क माकूल व्यवस्था होएत। प्रस्तावित सात मंजिला भवन मे कैजुएल्टी क तीमारदारी लेल विशेष प्रबंध कैल जायत। एहि सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पताल क 960 आ डीएमसीएच क वर्तमान 980 बेड पर भर्ती सबटा मरीज क देखभाल लेल एकटा अलग प्रशासनिक भवन बनाउल जाएत। डॉक्टर आ कर्मी लेल अलग-अलग पांच-पांच मंजिला दूटा भवन बनत। एहि अस्पबताल क निर्माण भेला स उत्तर बिहार क चारिटा प्रमंडल तिरहुत, दरभंगा, कोसी आ पूर्णिया क डेढ़ दर्जन जिला क लोक कए पटना जेबा स मुक्ति भेट जायत। मुजफ्फरपुर या बेतिया मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे सेहो अति गंभीर मरीज क लेल 24 घंटे इलाज क व्यवस्था नहि भेला पर डीएमसीएच मे एहि योजना कए स्वीकृति देल गेल अछि।

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली साहित्य मे आब खगल लोकक चिंता नहि : विद्यानंद

Esamaad Epaper Website

मोकामा मे बनत समानांतर पुल, कोसी सेतु लेल 30 करोड

Esamaad Epaper Website

बाढ क दोसर यूनिट चालू, पहिल फेजक काज सेहो करत एनटीपीसी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि