पटना। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 25 जुलाई उत्तर बिहार मे एकटा एयरपोर्ट क घोषणा सकैत छथि। प्रधानमंत्री इ घोषणा अपन प्रस्तावित मुजफ़फरपुर दौरा क क्रम मे क सकैत छथि । भाजपा कार्यालय स इसमाद कए भेटल खास समाद के अनुसार पार्टी क कईटा विधायक प्रधानमंत्री स एहि प्रकारक घोषणा लेल आग्रह केलथि अछि। सूत्र क कहब अछि जे प्रधानमंत्री एहि आग्रह पर गंभीरता स लेलथि अछि आ संबंधित मंत्रालय स एहि लेल प्रक्रिया पूरा करबाक निर्देश देलथि अछि।
उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे हवाई सेवा कए सुगम बनेबा लेल उत्तर बिहार मे एयरपोर्ट क मांग बहुत दिन स कैल जा रहल अछि। एहन में भाजपा विधायक क इ प्रयास अगर सफल भेल त आगामी विधानसभा चुनाव में उत्तर बिहार मे भाजपा कए एकर लाभ भेट सकैत अछि। ओना राज्य सरकार सेहो एहि लेल केंद्र स कई बेर आग्रह क चुकल अछि। एहन में उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे प्रधानमंत्री मुजफफरपुर मे एकर घोषणा क सकैत छथि। ओना इ स्पष्ट नहि अछि जे एयरपोर्ट कोन शहर कए भेटत, मुदा संबंधित मंत्रालय स भेटल संकेत आ दरभंगा क बनल बनायल आधारभूत संरचना कए देखैत इ उम्मीद कैल जा रहल अछि जे प्रधानमंत्री बिहारक सबस पैघ एयरपोर्ट कए सेवा विमान लेल उपलब्ध करेबाक घोषणा क सकैत छथि। ज्ञात होए कि 25 जुलाई क सेहो पहिल बेर पटना-दीघा रेल खंड पर रेलवे सेहो अपन पहिल ट्राइल करबाक विचार मे अछि । एहि रेलखंड पर पहिल बेर ट्रेन क परिचालन होएत । एहि हिसाब स बिहार क लेल 25 तारिख खास दिन होएत ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
bahut nik darbhanga hoywak chahi
darbhanga deserves it