पटना । बिहार क कलाकार लेल इ एकटा सुखद समाद अछि । आब पटना मे सेहो दिल्ली हाट क तर्ज पर पटना हाट खुलि गेल। बिहार मे हस्तशिल्प कला कए बढ़ावा देबा लेल राज्य सरकार इ ख़ास पहल केलक अछि । हस्तशिल्प कलाकार सब कए बाजार उपलब्ध करेबा लेल पटना क उपेन्द्र महारथी संस्थान मे पटना हाट क निर्माण कैल गेल अछि । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि पटना हाट क उद्घाटन केलथि अछि । एहि नवनिर्मित पटना हाट क सुसज्जित दुकान सब मे अहां कए मिथिला पेंटिंग, सिक्की शिल्प, टेराकोटा शिल्प, मृणमय शिल्प, टिकुली कला, जड़ी शिल्प, एपलिक/कसिदा, कास्ठ कला आ पाषण शिल्प कला, बुनाई शिल्प क कलाकार क एक स बढि कए एक कलाकृति देखबा आ कीनबा लेल भेटत ।
पटना हाट क निर्माण 2 करोड़ 42 लाख क लागत स 8000 सक्वायर फुट मे कैल गेल अछि । एहि ठाम करीब 25टा दुकान एहन उपलब्ध अछि, जे विभिन्न कलाकार कए एकटा ख़ास अवधि लेल दे ल जा रहल अछि। एहि ठाम कलाकार अपन कलाकृति क प्रदर्शनी आ बिक्री क सकतथि । आमतौर पर एहन खरीदारी लेल लोक कए कोनो मेला या ख़ास आयोजन क आस रहैत छल, मुदा आब पटना हाट मे सब दिन इ उपलब्ध रहत । ई हाट खुजि जेबा से एता हरेक दिन लोग आर्ट आ क्राफ्ट कीन सकत ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa