दरभंगा । साल 2016 क प्रसिद्ध प्रबोध साहित्य सम्मान दरभंगा क मैथिली साहित्यकार केदार नाथ चौधरी क देल जाएत. हुनका इ सम्मान हुनकर पुस्तक ‘आबारा नहितन’ क लेल देल जाएत. इ पुस्तक मैथिली क पहिल फ़ीचर फ़िल्म ‘ममता गाबए गीत’ क पटकथा पर आधारित अछि । शुक्र दिन कोलकाता मे एकर घोषणा क बाद दरभंगा क साहित्य जगत में खुशी क लहर अछि.
केदार नाथ चौधरी जी एहि सम्मान कए मैथिली कए बढ़ावा देबय बला बतेने छथि. बता दी कि प्रबोध साहित्य सम्मान कोलकाता क स्वास्ति फाउंडेशन दिस स दैल जाएत अछि. एहि मे एक लाख टकाक चेक, स्मृति चिह्न आओर प्रशस्ति पत्र प्रदान कैल जाएता अछि.
एहि सम्मान क शुरूआत साल 2004 मे कलकत्ता विवि के हिंदी विगाध्यक्ष स्व प्रबोध नारायण सिंह क स्मृति मे भेने छल. दरभंगा ज़िलाक मनीगाछी क नेहरा गांव में तीन जनवरी सन् 1936 क जनमल केदार नाथ सिंह जी कैलीफोर्निया विवि से एमबीए क डिग्री लेने छलथि.
एकर बाद ओ अमेरिका, यूरोप आओर एशिया क कैकटा देश क बैंक आओर वित्तीय संस्थान मे नौकरी केलथि. फेर साल 2001 मे दरभंगा घुरलथि आओर लेखन शुरू केलथि. हुनकर चर्चित पुस्तक मे करार, चमेली रानी, माहुर आओर हिना शुमार अछि.
Kedar babu kain prabodh Sahitya Samman hetu chayal lel badhai . yehi samman k madhyame maithili sahitya sanskriti k uttan k marg prasast karbak lel SWASTI FOUNDATION kein sadhu-bad. Foundation k sadati vikash aa unnati k hardik subh-kamna.
प्रबोध साहित्य सम्मान कोनो पोथी पर नहि , अपितु भाषा साहित्यमे हुनक सम्पूर्ण योगदान हेतु प्रदान कयल जाइत अछि।
कोटीशः धन्यवाद योग्य व्यक्ति चयन लेल