पटना । एकटा कहावत अछि ”हौसले बुलंद हो, तो मंजिल खुद कदम चूमती है” । भामती गार्गी क धरती पर एक बेर फेर एकटा मैथिल अपन ज्ञानक बलबुता पर कंपनी क सीइओ बनय जा रहल छथि । समस्तीपुर क एकटा छोट गाम पुनास मे खेती करनिहार क बेटी पेटीएम बैंकिंग सेवा क CEO बनय जा रहल छथि । समस्तीपुर मे जनमल शिंजनी पटना वीमेंस कॉलेज स पढ़ाई केने छथि। एहि स पहिने ओ रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया मे डिप्टी जनरल मैनेजर छलीह। एहि क अलावे ओ यूएसए क कंपनी मे सेहो काज केने छथि।
समस्तीपुर क पुनास गांव मे एकटा किसान परिवार मे जनमल शिंजनी लखीसराय क बालिका विद्यापीठ स पढ़ाई केलाक बाद पटना वीमेंस कॉलेज स अंग्रेजी मे ग्रेजुएशन केलथि। हुनकर पिताजी आइयो किसानी करैत अछि । पटना मे पढलाक बाद शिंजनी दिल्ली विश्वविद्यालय स अंग्रेजी मे एमए आओर अमेरिका क टेक्सास यूनिवर्सिटी क लिंडन जॉनसन स्कूल स पब्लिक पॉलिसी मे एमए केलथि।
पढ़ाईक खर्चा उठेबाक लेल शिंजनी बालिका विद्यापीठ मे सेहो नौकरी केने छथि । अमेरिका स डिग्री लेला क बाद ओ मार्च 1992 मे रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया मे डिप्टी जनरल मैनेजर बनलीह आओर नवंबर 2007 धरि एहि पद पर बनल रहलीह। दिसंबर, 2007 मे अमेरिका क वित्तीय संस्था मेरिल लिंच मे कंट्री कंपलायंस हेड क तौर पर जुड़लीह आओर अक्टूबर, 2007 धरि एतय रहलीह।
अक्टूबर, 2010 में प्राइस वाटर हाउस कूपर्स मे डायरेक्टर क पद पर काज केलथि । मौजूदा समय मे ओ प्राइस वाटर हाउस कूपर्स (पीडब्लूसी) मे कार्यकारी निदेशक क पद पर छथि। शिंजनी कुमार अब पेटीएम पेमेंट बैंक की सीईओ बनय जा रहल छलीह।
Mithla kai beti kai naman duniya may mithla kai name roshan karate kai liyai
Mithla kai beti kai naman duniya mai mithla kai naam kari kai lail thanks
Excellent! Mithilak Beti Shinjni ke uplabdhi samast Mithilak lel garvak baat!..Hunka bahut bahut badhai!….Tamam Maithili beta w bati ke lel prernak shrot…! Dhany ho mithilak maati…A sangahi apne lokani ke seho bahut bahut saadhubaad je ahan lokani ehan abhutpurv E patrikak shuruaat kail..Apne ke seho safaltak lele anekanek Shubhkaamna!..
मिथिलांचल आउर मैथिल समाज लेल गौरव केर विषय अछि..शिंजना के बहुत बहुत बधाई आ शुभकामना
Bahut achha….
maithili ki jai ho hamar sab k ssan maithla k jaan