पटना । भारत क मुख्य न्यायाधीश टीएस ठाकुर कहला कि कानून क राज तखने संभव होएत, जखन न्यायपालिका स्वतंत्र होएत । पटना क गायघाट स्थित बिहार जुडिशियल एकेडमी क नवनिर्मित भवन क उदघाटन करबाक बाद आयोजित समारोह कए संबोधित करैत श्री ठाकुर, बिहार मे राज्य सरकार क प्रशंसा केलथि । ओ कहलथि कि मुख्यमंत्री न्यायिक व्यवस्था कए पूरा सहयोग देबाक लेल प्रतिबद्ध अछि । श्री ठाकुर कहलथि कि न्याय व्यवस्था क प्रति लोग मे जागरुकता क अभाव अछि । यैह अभाव शिक्षा स खत्म कैल जा सकैत अछि । श्री ठाकुर कहलथि कि आय केरल स बेसी मामला झारखंड मे दर्ज भए रहल अछि ।
एहि मौका पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि कि कोनो भी अपराधी अपराध क कए बचि नहि सकत । ओ कहलथि कि राज्यक आर्थिक पिछड़ापन क बावजूद न्यायिक व्यवस्था कए सुदृढ करबाक लेल धन क कमी नहि होबय देब । ओ कहलथि कि हुनकर सरकारक मूल मंत्र न्याय क संग विकास अछि । न्यायक बिना विकास नहि भए सकत । एहि अवसर पर पटना हाईकोर्ट क कार्यवाहक मुख्य न्यायमूर्ति आईए अंसारी कहलथि कि एहि जुडिशियल एकेडमी स न्यायिक पदाधिकारी बेसी स बेसी लाभ उठेबाक प्रयास करत । एहि मौका पर सुप्रीम कोर्ट क जज न्यायमूर्ति दीपक मिश्रा, न्यायमूर्ति कफीउल्ला आओर न्यायमूर्ति शिवकीर्ति सिंह सेहो सभा कए संबोधित केलथि । मौका पर पटना हाईकोर्ट आ आन हाईकोर्टों क जज सेहो पैघ संख्या मे उपस्थित छलाह ।