पटना । केंद्र सरकार बरौनी खाद कारखाना लेल एकटा आओर डेग बढा देलक अछि। बुधदिन केंद्रीय कैबिनेट कए भेल बैसार मे तीनटा पीएसयू कए बरौनी खाद करखाना खोलबाक जिम्मेदारी देबा लेल आनल गेल प्रस्ताव कए मंजूरी प्रदान क देल गेल। आब एनटीपीसी, कोल इंडिया आ इंडियन ऑयल तीनू पीएसयू संयुक्त रूप स एहि खाद कारखाना कए फेर स चालू करत। केंद्रीय कैबिनेट एकर संगहि पूसा क स्थान पर 1972 में खुलल राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय कए केंद्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा देबाक संगहि एकर नाम मे संशोधन क डॉ राजेंद्र प्रसाद केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय करबाक प्रस्ताव पर सेहो मंजूरी द देलक। एकर संगहि 1934 क बाद एक बेर फेर ओहि इलाका मे राष्ट्रीय स्तर क कृषि संस्थान स्थापित भ गेल।