समदिया
पटना । बिना तार-पोल (ग्रिड) स किछु गाम मे बिजली पहुंचेबा लेल एकटा खास योजना पर काज भ रहल अछि। बिजली कंपनी एहि लेल सातटा जिला क 156टा गाम क चयन केलक अछि जहि ठाम गैर परम्परागत ऊर्जा माध्यम स बिजली पहुंचाउल जाएत। एहि ठाम पैघ मात्रा मे सोलर प्लेट लगाउल जाएत। चयनित जिला मे भागलपुर आ बाका क संगहि कैमूर, रोहतास, नवादा, मुंगेर, आ जमुई शामिल अछि। पहाड़, नदी, जंगल आ दुग्र्रम बाट क बीच बसल एहि गाम क लोक सब कए बिजली मुहैया करेबा लेल कंपनी ऑफ ग्रिड माध्यम स बिजली देबा क निर्णय लेलक अछि। कंपनी एहि पर 133.89 करोड़ खर्च करत। एकरा लेल एजेंसी सब कए आमंत्रित कैल गेल अछि।
योजना क अनुसार सात जिला कए चारि समूह परियोजना मे राखल गेल छै। सबस बेसी राशि कैमूर मे खर्च होएत। एहि ठाम 91.83 करोड़ खर्च होएत। रोहतास मे 16.01 करोड़ खर्च होएत। भागलपुर मे 11.49 करोड़ आ नवादा, मुंगेर, जमुई आ बांका मे 14.56 करोड़ खर्च होएत। कंपनी अधिकारी क कहब अछि जे दक्षिण बिहार मे काज खत्म भेलाक बाद उत्तर बिहार मे इ शुरू होएत। सुपौल, पश्चिम चम्पारण, गोपालगंज, खगडिया आ समस्तीपुर क 62टा गाम सेहो ऑफ ग्रिड स बिजली पहुंचेबा लेल चयनित भेल अछि। एहि मद में 107.30 करोड़ खर्च होएत।