बिहार क बदलल माहौल, लॉ एंड ऑर्डर कोनो पैघ मुद्दा नहि : अग्रवाल
पटना । बिहार चैंबर ऑफ कॉमर्स एंड इंडस्ट्रीज क 90व स्थापना दिवस क मौका पर पटना आयल वेदांता रिसोर्सज क चेयरमैन अनिल अग्रवाल कहलथि जे हुनकर ग्रुप देशभर क चारि हजार आंगनबाड़ी केंद्र कए ‘नंद घर क रूप मे विकसित करत। हुनकर 500 स बेसी नंद घर बिहार मे विकसित कैल जाएत । श्री अग्रवाल कहलथि जे नंद घर मे टीवी, मेडिकल चेप अप, फूड आओर दोसर तमाम सुविधा होएत। हरेक केंद्र पर 50टा छोट बच्चा आओर 50टा महिला क शामिल कैल जाएत, जिनकर सभ तरह स ध्यान राखल जाएत। नंद घर बाल सुपोषण आओर महिला सशक्तीकरण क केंद्र होएत। नंद घर मे बच्चाक स्वास्थ्य आ शिक्षा क संगेे संग महिला क आर्थिक विकास पर जोर देल जाएत। अग्रवाल बतेलथि जे एहि संबंध मे महिला एवं बाल विकास विभाग स प्रस्ताव मांगल गेल अछि आअोर अगला किछुु महीनाा मे नंद घर बनिकए तैयार भए जाएत।
ओ बिहार क चर्च करैैत कहलथि जे बिहार स हुनकर दिलक रिश्ता अछि आओर अहाँँ सबहक बजेला स हम लंदन स पटना चलि एलहूँँ। श्री अग्रवाल कहलथि जे पिछला किछुु साल मे केद्र आओर राज्य सरकार क इच्छाशक्ति क कारण बिहार क माहौल बदलल अछि । बिहार मे लॉ एंड ऑर्डर कोनो पैघ मुद्दा नहि अछि। उद्योगपति कारोबार करय चाहैैत छथि आओर माहौल भेटबा पर इंडस्ट्री लगाउत।
ओ कहलथि जे चार महाद्वीप मे फैलल वेदांता समूह मे 70 हजार कर्मचारी कार्यरत छथि। वेदांता ग्रुप शिक्षा क क्षेत्र मे भारी निवेश कए रहल अछि। ओडिशा क बाद बिहार मे सेहो वेदांता यूनिवर्सिटी खोलबाक हुनकर विचार अछि। ओ कहलथि जे यूनिवर्सिटी क स्थापना मे हम 10 हजार करोड़ क निवेश करब। विश्वस्तरीय विश्वविद्यालय क कुल लागत 25 हजार करोड़ होएत। ई विश्वविद्यालय भारत कए अलग पहचान दिएबा क संग-संग प्रतिभा पलायन कए रोकबा मे सेहो कामयाब होएत।