पटना । इंडो-नेपाल सीमा पर अवस्थित वाल्मीकि टाइगर रिजर्व बहुत जल्द विमान सेवा सं जुड़ए जा रहल अछि। पहिल बेर वन विभागक ओर सं हवाई सेवा शुरू कैल जा रहल अछि । संभावना व्यक्त कयल जा रहल अछि जे एहि साल अक्तूबरसं पटना एयरपोर्ट सं वाल्मीकि टाइगर रिजर्व लेल 12 सं 16 सीटक क्षमतावाला हेलीकॉप्टर उड़ान भरत । एहि लेल दू तीन टा निजी कंपनी सं सरकारी स्तर पर गप कैल जा रहल अछि। शुरुआती दौर मे वन विभाग पर्यटक लोकनिक सुविधा लेल कम सीट वला विमान चलाओत । जेना जेना पर्यटकक संख्या बढत तेना तेना पैघ विमान चलेबा पर विचार कैल जायत । बताबैत चली जे प्रत्येक दिन हजारों क संख्या मे देशी आ विदेशी पर्यटक वाल्मीकिनगरक प्राकृतिक सौंदर्य आ ऐतिहासिक स्थल कए देखबाक लेल अबैत छथि । वाल्मीकि टाइगर रिजर्व बिहारक एकमात्र टाइगर रिजर्व अछि ।
आब पटना सं आधा घंटा मे आबि सकता पर्यटक
सड़क मार्गक स्थिति ठीक नहि हेबाक कारण पटना सं वाल्मीकिनगरक 300 किलोमीटरक दूरी तय करबा मे पर्यटक कए 10 सं 12 घंटाक समय लागि जाइत अछि । ओना हवाई मार्ग सेवा आरम्भ हेबाक बाद सं पर्यटक लोकनि मात्र 30 मिनट मे पटना सं वाल्मीकिनगर पहुंच सकता ।
मुख्य वन्य प्राणी प्रतिपालक एहि मामला मे कहलिन जे हवाई सेवा शुरू करबा लेल उच्च स्तर पर अधिकारी लोकिनक वार्ता चलि रहल अछि। कतेको हेलीकॉप्टर कंपनी सं बात कैल जा रहल अछि । जहिना सहमति बनि जायत तहिन विमान सेवा शुरू क देल जायत । ओतहि वाल्मीकि टाइगर रिजर्वक वन संरक्षक सह क्षेत्र निदेशक आरवी सिंहक कहब छनि जे पटना सं वाल्मीकिनगर लेल 12 सं 16 सीटर हेलीकॉप्टरक सेवा पर काज चलि रहल अछि । एहि सेवाक बाद देशी आ विदेशी सैलानी लोकिन कए वीटीआर तक ल जाओल जायत ।