मधुलता
पटना । कटिहार मे एकटा वृद्ध घरेलू कबारक समान से सोलर लैंप तैयार केलाह अछि । ओ वृद्ध ओहि सोलर लैंपक नाम ‘भारत लाइट’ रखलाह । ई सोलर लैंप रोशनी क संगे-संग घड़ी क सेहो काज अबैत अछि । हिनकर एहि अविष्कारक चर्चा पूरा इलाका में अछि ।
विज्ञान मे रुचि राखनिहार एहि वृद्धक नाम गुलाम रसूल अछि, हुनकर कथनाक अनुसार ओ ‘मेक इन इंडिया’ क लोहा पूरा विश्व मे मनेनाय चहैत छथि । नगर थाना क रामपाड़ा मे रहनिहार रसूल एहन प्रकारक कतेको अविष्कार क चुकल छथि, आओर अपन हुनर साबित क चुकल छथि ।
अपन सोलर लैंप क बारे मे बताबैत रसूल कहैत छथि जे एहि मे रोशनी क संगे-संग एहि मे घड़ी क समय सेहो देखाएत अछि । सोलर लैंप क जों मनोरंजन क दृष्टि से देखि त एहि से एफएम रेडियो अछि, आओर पेनड्राइव क जरिया गीत सुनेबाक सेहो ब्यवस्था अहि । एतबे नही ‘भारत लाइट’ अपना आप मे हैंडस फ्री मोबाइल डिवाइस क सेहो काज करैत अछि ।
रसूल क कहनाय अछि जे सोलर लाइट क सहारा ग्रमीण इलाका मे एक संग कैक प्रकारक काजक आनंद लेल जा सकैत अछि । संगहि ई कैक प्रकारक जरूरतक सामान मे शामिल कैल जा सकैत अछि । कबाड़ क प्रकाश स बनल ई रोशनी गुलाम रसुलक मेहनत क संग संग “मेक इन इंडिया” कए सेहो मजबूत करैत अछि ।