समदिया
पटना । बिहारक भाषा आ लिपि लेल शुभ समाद अछि। बिहार ज्युडिशियल एकेडेमी मे कैथी लिपिक विधिवत पढाई शुरु भ गेल अछि। एकरा लेल कई साल स प्रयास चलि रहल छल। आखिरकार कैथी लिपि के प्रशिक्षण क महत्व कए न्याय प्रणाली स जुड़ल शीर्षस्थ लोक सब स्वीकार केलथि आ बिहार ज्युडिशियल एकेडेमी मे एकर विधिवत् पढ़ाई आरंभ भ सकल। पटना हाई कोर्ट क वरिष्ठ अधिवक्ता प्रसाद साहब क एहि मे पैघ भूमिका रहल। श्री प्रसाद अपने गणित विषय लकए एम.ए. केलथि आ कॉलेज मे अध्यापक बनबाक इच्छा रखैत छलाह, मुदा औकील बनि गेलाह। कई पीढी स कैथी स जुड़ाव रहबाक कारण स अध्यापक नह बनिकए हाईकोर्ट मे ओकील बनि कैथी पढैत रहलाह।
कैथी लेल लगातार आवाज उठेनिहार बिहार रिसर्च सोसायटीक शिवकुमार मिश्र क कहब अछि जे जखन ज्युडिशियल एकेडेमी मे कैथी पढ़ाई भ सकैत अछि त जमीनक अधिकतर दस्तावेज कैथी मे अछि। एहन मे बिहार प्रशासनिक अध्ययन स जुड़ल संस्थान मे सेहो कैथी क पढ़ाई हेबाक चाही। कैथीक इतिहास नामक पुस्तक लिखनिहार भैरव लाल दास क मानब अछि जे जमीन स जुड़ल सबटा अधिकारी आ कर्मचारी सब कए कैथी लिपि सीखबाक चाही।
दोसर दिस पुराविद परिषद पटना मे 20 तारीख स 26 तारीख तक कैथी आ मिथिलाक्षर, दूनू लिपिक प्रशिक्षण शिविर आयोजित केलक अछि। जाहि मे आम लोक कए एहि दूनू लिपि स परिचित कराउल जाइत।