राजस्व परिषद क अध्यक्ष कएलथि जिलाक अधिकारी सबसंग बैसार, जमीनक खेती लेल किसान सबहक बीच कैल जाएत वितरित
मणिभूषण झा
पटना । तीन मास मे बेतिया राजक 14251 एकड़ जमीन क सर्वेक्षण कए अतिक्रमणमुक्त कराओल जाएत । जमीन कए खेतीक लेल किसान सभहक बीच वितरित कैल जाएत । राजस्व पर्षद क अध्यक्ष आ सदस्य सुनील कुमार सिंह मंगल दिन समीक्षा बैसार मे अधिकारी सबकए प्राथमिकता सँ एहिपर काज करबाक निर्देश देलथि । ओ कहलथि जे बिहारक 6 आ उत्तर-प्रदेश क तीनटा जिला मे बेतिया राजक जमीन अछि । पश्चिम चम्पारण मे सबसँ बेसी 9533 एकड़ जमीन अछि । पूर्वी चंपारण मे 4633 एकड़, छपड़ा मे 38 एकड़, पटना मे 4 एकड़, गोपालगंज मे 35.58 एकड़ आ सिवान मे 7.29 एकड़ जमीन अछि । कुल 14251 एकड़ जमीन मे सँ एखन धरि 3050 एकड़ जमीनक सर्वे भेल अछि आ शेष जमीन क सर्वे बचल अछि ।
सर्वे क लक्ष्य
संबंधित जिला क जिलाधिकारी सबसँ कहल गेल अछि जे खेती लायक जमीनक अलग सँ आंकलन करेबाक लेल अमीन प्रतिनियुक्त करथि । कृषि योग्य जमीन पर गलत तरीका सँ बहुत लोक मकान बना लेने छथि, जहि सँ बड्ड जमीन पर अतिक्रमण अछि । सरकार सभ जमीन क अतिक्रमणमुक्त करबा लेल कहलक अछि । राजस्व परिषद क अध्यक्ष कहलथि ओ लगातार एहि मामला कए मानिटरिंग करताह । रोज कम सँ कम 20 एकड़ जमीन क सर्वे आ अतिक्रमणमुक्त करेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
* बेतिया राजक बिहार क 6 आ उत्तरप्रदेश क 3टा जिला मे अछि जमीन
* 9533 एकड़ जमीन संगे पश्चिम चम्पारण मे अछि सबसँ बेसी जमीन
* 1897 क स्थिति अनुसार बेतिया राजक जिलावार परिसम्पत्ति क आंकलन भेल अछि
* रोज 20 एकड़ जमीन क सर्वे आ अतिक्रमणमुक्त करेबाक लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि ।
अधिकारी सबहक संगे बैसार मे एहि मुद्दा सभपर भेल समीक्षा
एहि दौरान 15 जून 2017 क भेल बेतिया राज क संयुक्त बैसार क कार्यवाहीक अनुपालन कए समीक्षा कैल गेल । 1897 क स्थिति क अनुसार बेतिया राजक जिलावार परिसंपत्ति सबहक आंकलन कैल गेल । बिहार आ उत्तरप्रदेश क विभिन्न न्यायालय सबमे लंबित बेतिया राज क वाद सबकए सेहो समीक्षा कैल गेल । भूमिक अतिक्रमण सँ हटेबाक कार्रवाई क समीक्षा सेहो भेल । बेतिया राज क भूखंड पर स्थित मंदिर सबहक बंदोबस्ती क अद्यतन जानकारी लेल गेल । विभिन्न स्रोत सबसँ राजस्व वसूली क समीक्षा सेहो भेल । भू-अर्जन क तहत बेतिया राजक जमीन विभिन्न संस्थान सबकए देबय सँ भेटल मुआवजा राशि क सेहो समीक्षा भेल । बेतिया राजक कर्मी सबकए वेतनवृद्धि पर सेहो चर्चा भेल । सीए दिस से बेतिया राजक कॉमन इंनवेंटरी रजिस्टर बनेबाक क प्रगति पर सेहो बात भेल । समीक्षा बैसार मे संबंधित जिला सबहक जिलाधिकारी आ एडीएम संगहि उत्तरप्रदेश क अधिकारी सब सेहो मौजूद छलथि ।