पटना। विहार क पहिल आ देश के सबस लंबा डबल डेकर फ्लाई ओवर की शिलान्यास माननीय मुख्यमंत्री नितीश कुमार बुध दिन दिनांक ११ जुलाई कय छपरा मे कयलनि। कार्यक्रम में उपस्थित मुख्यमंत्री श्री सुशील कुमार मोदी आ पथ निर्माण मंत्री श्री नंदकिशोर यादव सहित जदयू आ भाजपा क अन्य नेता सब उपस्थित छलाह।
छपरा क गांधी चौक से नगरपालिका चौक क बीच ई फ्लाई ओवर बनत। विहार राज्य पुल निर्माण निगम के देख रेख मे एहि पुल के निर्माण २०२२ तक संभावित अछि । विदित अछि जे एखन तक देशक सबसे लंबा डबल डेकर फ्लाई ओवर मुंबई मे अछि जकर लंबाई १.८ किमी छैक,जखन कि छपरा में प्रस्तावित पुल क लंबाई ३.५ किमी होयत। एहि पुल क निर्माण क लागत ४११ करोड़ टाका अनुमानित अछि।
एहि फ्लाई ओवर क सबसे ऊपरका हिस्सा पर चढ़बा लेल रैंप भिखारी ठाकुर चौक से गाँधी चौक दिश होयत जाहि पर ए बी एस स्कूल क नजदीक से चढ़ल जा सकत ।एहि रास्ता से गाँधी चौक आ नगरपालिका चौक होईत बस स्टैंड तक गेल जा सकत।एही रस्ते सीवान से अबैय बला गाड़ी सब भाया भिखारी ठाकुर चौक आरा, हाजीपुर, पटना चल जायत। फ्लाई ओवर क नीचलका डेक क रैंप पुलिस केंद्र स्थित मंदिर क निकट से शुरू होयत जे २५०० मी लंबा होयत।एहि डेक से भाया गाँधी चौक, नगरपालिका चौक राजेन्द्र सरोवर तक गेल जा सकत । आरा, हाजीपुर आ पटना दिश से अबय बला वाहन सब एकर उपयोग छपरा समाहरणालय, बस स्टैंड आ सीवान दिश जयबा लेल करता। मुजफ्फरपुर जयबा हेतु अलग ,३०० मी लंबा रैंप गाँधी चौक से बनत जे भाया गड़खा मुजफ्फरपुर जयबा लेल उपयोग मे आओत।