रामबाबू
नयी दिल्ली । रेलक यात्राकें आओर बेसी सुविधाजनक बनाबय लेल भारतीय रेल देशभरमे रेल नेटवर्क के’ सुदृढ़ करय मे जुटल अछि। हरेक राज्यमे रेल लाइनकें विस्तारकेँ सन्दर्भमे लिखित आंकड़ा संसदमे बुधदिन रेल राज्यमंत्री राजेश गोहेन द्वारा पटल पर राखल गेल। रेल राज्यमंत्री कहलनि कि रेलवे परियोजना सभकेँ पूर होयबाक लेल राज्य सरकारक विभिन्न विभाग आऔर केंद्रीय मंत्रालय सभकेँ जेना भूमि अधिग्रहण, वन आऔर वन्यजीवन जकाँ वैधानिक मंजूरी, उपयोगिता सभक स्थानांतरण आदिकें मंजूरी आवश्यकता अछि। रेलवे बजटमे नव लाइन निर्माण करबाक निर्णय लेल गेल अछि।
बात जँ बिहारकें करी त’ रक्सौल आऔर नरकटियागंज केर बीच ब्राॅड गेजमे बदलल गेल 42 किमी लमगर रेललाइन पर पहिल बेर पैसेंजर ट्रेन चलत। अहिसँ पहिने रक्सौल आ नरकटियागंज केर बीच छोटी लाइन छल, जाहिसँ ट्रेन सभक परिचालन पूरा गतीमे नहि चलि पबैत छल। कोसी केर बहुप्रतीक्षित सुपौल-अररिया रेललाइन केर सेहो आधारशिला राखल जाएत।1602 करोड़ के’ लागत सँ 92 किलोमीटर लमगर नव रेल लाइन के’ तहत 12 नवका स्टेशन बनाओल जाएत। दू टा नव हॉल्ट केर स्थापना सेहो कएल जाएत। अहि नव रेललाइन के’ बनि गेलाक बाद अररिया तक रेल नेटवर्क सँ जुड़ि जाएत।एकर अलावा बिहारमे 34 नव रेल लाइन निर्माण करयबाक परियोजना सेहो अछि।
बुधदिन सरकार कहलनि कि रेलवे स्वच्छ भारत अभियान के’ तहत 2017-18 मे 21 ग्रीन कोरिडोर बनाओलनि। स्वच्छ भारत मिशन के’ तहत भारतीय रेलवे अपन कोचिंग स्टॉकमे जैव-शौचालय के’ बढ़ा रहल अछि, ताकि कोच सँ ट्रैक पर कोनो मानव अपशिष्ट नहि छोड़ल जा सकैS। गोहेन बजलाह कि जैव-शौचालयकें फिटनेस केर लाभक प्रदर्शन हेतु 2016-17 मे छह ग्रीन कोरिडोर कार्यान्वित कएल गएल आऔर 2017-2018 मे 21 कार्यान्वित भेल।
विभिन्न राज्य सभमे नव रेल लाइन परियोजना सभक सूची अहि तरहेँ अछि:-
असम आऔर उत्तर पूर्वी क्षेत्र- 15
आंध्र प्रदेश- 18
बिहार- 34
छत्तीसगढ़- 8
दिल्ली- 1
गुजरात-4
हरियाणा- 7
हिमाचल प्रदेश- 4
जम्मू एवं कश्मीर-1
झारखंड- 1
झारखंड- 14
कर्नाटक- 16
केरल- 2
मध्यप्रदेश- 8
महाराष्ट्र- 12
ओडिशा- 10
पंजाब-10
राजस्थान-10
तेलंगाना- 0
तमिलनाडु- 8
उत्तर प्रदेश- 15
उत्तराखंड- 3
पश्चिम बंगाल- 18