• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

तीन टा रिस्क लेल गेल अछि ‘प्रेमक बसात’ मे

August 12, 2018
in समाचार
A A
243
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
डॉ प्रवीण झा 


‘प्रेमक बसात’ सिनेमा के गीत-ट्रेलर सभटा देखलहुँ। मुदा लिखइ में किछु असौकर्य भेल, तs अनठेने रही। निर्देशक, संगीत सभटा में माँजल आ नीक लोक सभ छथि, मुदा हम छी किछु कुचेष्ट। हिंदी में ‘आलोचक’ सेहो कहि सकइत छी। फ़िल्म तs नहि देखलहुँ, मुदा हमरा जनइत एहि में तीन टा रिस्क लेल गेल अछि।
एक तs दरिभंगा शहरक अधा हिंदू-अधा मुसलमान सन संरचना रहितो कहियो क्यो सांस्कृतिक मिलाप में बियाह वा प्रेम संबंधक चित्रण नहि केलनि। कवि होथु वा फिल्मकार। एहि सँ फराके रहला। वास्तविक जीवन में सेहो संबंध नहिए जेकाँ। बियाह भेलहि मुदा आन ठाम प्रवास केलाक बाद, दरिभंगा में राज-महाराज काल में सेहो संबंध नहि सूनल। जखनि कि आन प्रदेश सभ में कम-बेस होइत रहलइ। आब तs खैर दक्षिणपंथी आ लव-जिहाद धारा चललइ तs शुद्ध प्रेम भेला पर सेहो असंभवे लगति अछि। बॉलीवुड सिनेमा में ई चित्रण कतेक बेर भेल छहि, मुदा मैथिली फ़िल्म में ओकर चित्रण क्रांतिकारी अछि।
दोसर गप्प जे भाषा में मैथिलीक उपयोग किछु भिन्न छहि। आधुनिक छहि। अजुका मैथिली आ सभ अंचलक (कोसी आ मधुबनी मिलाs कय) सामूहिक मैथिली यैह थीक। एतबय नहि दिल्ली-बंबई में रहइत मैथिलक भाषा सेहो एकर समकक्ष। मुस्लिम परिवेशक ऊर्दू मिश्रित भाषा संग मैथिली नब प्रयोग लय निर्देशक के प्रशंसा करब। तखनि ई इच्छा अछि जे किछु ओहि परिवेशक आन चित्रण जेना मर्सिया आ मुसलमान लोक-संस्कृति सेहो देखायल जाय।
तेसर गप्प जे संगीत, कोरियोग्राफ़ी आ शृंगार नब बॉलीवुड सन छैक। आधुनिक, पोछल-पाछल, टीप-टॉप जे कही। आईटम सॉन्ग सेहो बॉलीवुड सँ कमजोर नहि छैक। ललमुनिया के ताड़ी। गायिकाक भास शोख़ आ नब तरंग बला, आ तहिना नीक सिनेमैटोग्राफ़ी। नायिका आ नायक नब ‘हेयर-स्टाइल’ आ फ़ैशन संग आकर्षित करइत छथि। नब तकनीक सभक उपयोग देखार छैक, जे नितिन चंद्रा के ‘मिथिला मखान’ सँ आरंभ भय गेल छल। संभवत: जे सिनेमा हॉल सभ मैथिली सिनेमा नहि लगाs कय बॉलीवुड लगबइत छल, कखनो भोजपुरियो लगबइत छल, आब मैथिली लगाउत। कियैक तs सभटा भेट जेतइन।
पुरान घर खसय, नब घर उठय। ई कहबी चरितार्थ हयत, हमरा आशा अछि। तखनि हम अपने नब आ पुरानक मध्य त्रिशंकु छी, तs ई नहि कहब जे फ़िल्म देखि हमरा केहन लागत। ओना विश्व के कोनो आशावादी मनुक्ख के ‘लाइट ऐट एंड ऑफ़ टनेल’ अहि सिनेमा में निश्चित देखेबाक चाही।
अहि सिनेमा सँ पुरस्कारक अतिरिक्त व्यवसायिक सफलता कय सेहो अपेक्षा अछि। भरिसक मैथिली के एकटा ब्लॉकबस्टर सिनेमा भेटि जाय आ मैथिली फ़िल्म दर्शक के दृष्टांत सेहो विस्तृत होइ।
—
लेखक नार्वे मे रहैत छथि आ साहित्यर अनुरागी छथि
Tags: Maithili FilmPraveen JhaPremak Basat
Share243TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

पूर्णिया क झंडा चौक पर 14 अगस्त केंँ फहराओल जाइछ झंडा

पांचम बेर होएत आयोजित होएत सहरसा ग्रुप मिलन समारोह

अटल बिहारी वाजपेई क निधन, युगक अंत, सम्पूर्ण देश मर्माहत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि