एक करोड़ केंद्रीय कर्मचारियों-पेंशनरों के भेटत फायदा
एखन केंद्रीय कर्मचारी सबके बेसिक सैलरी/पेंशन के 7% डीए भेटि रहल छल
नई दिल्ली। मोदी सरकार एक करोड़ सँ बेसी केंद्रीय कर्मचारी और पेंशनर सबकें महंगाई भत्ता (डीए) 2% बढ़ेलक। बुधदिन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के अध्यक्षता में भेल कैबिनेट बैठक में एहि फैसला के मंजूरी भेंटल। केंद्र सरकार कहलक कि बढ़ैत महंगाई के ध्यान में रखैत आब डीए 7% से बढ़ाकर 9% देल जायत। एहि साल मार्च में सेहो महंगाई भत्ता 2% बढ़ल छल, एकर फायदा जनवरी 2018 सँ देल गेल छल।
देशक 48 लाख केंद्रीय कर्मचारी आ 62 लाख पेंशनर सबकें जुलाई सँ एकर फायदा भेटत। ई बढ़ोत्तरी सातम वेतन आयोगक सिफारिश सबके आधार पर तय फॉर्मूला के अनुसार कयल गेल अछि। फैसला सँ सरकारी खजाना पर हर साल 6 हजार 112 करोड़ रुपए आ 2018 के आठ महीना में 4 हजार 74 करोड़ टका के भार बढ़त।