10 लाख से बेसी उपयोगकर्ताओं कए हरेक महीना भारतक सभटा क्षेत्रिय भाषा मे भेटि रहल अछि ओकर सवालक जवाब
नई दिल्ली । आब अपन भाषा मे सेहो पुछि सकैत छी इ्ंटरनेट पर सवाल, भारतीय संविधान मे उल्लखित सभटा भाषा मे सवाल क जवाब देबाक लेल भारतक पहिल हिंदी मंच Vokal तैयार बैसल अछि ।
वोकल इन गैर-अंग्रेजी इंटरनेट उपयोगकर्ता क बीच ऑडियो आओर वीडियो माध्यम से प्रश्नोत्तर आ ज्ञान साझा कए सूचना आओर ज्ञानक अंतर कए भरबाक कोशिश करैत अछि । वोकल पर पहिने से 10 लाख से बेसी मासिक उपयोगकर्ता अछि आ ई संख्या तेजी से बढ़ि रहल अछि ।
एकटा सर्वेक्षण क अनुसार भारत क खाली 10 प्रतिशत लोग अंग्रेज़ी बाजैत अछि, जखनकि 90 प्रतिशत जनता स्थानीय भाषा बाजैत अछि आर बुझैत अछि। स्थानीय भाषा इंटरनेटक माध्यम से आब स्मार्टफोन धरि सेहो पहुंच रहल अछि ।
भारतक स्थानीय भाषा वर्ग अमेरिकाक आकार से लगभग दुगुना अछि आओर दुनिया क सबसे पैघ भाग मे से एक अछि । बहुत कम कंपनी एहि वर्ग लेल प्रासंगिक उत्पाद बनेबाक चुनौती स्वीकारने अछि । गूगल क एकटा अध्ययन क अनुसार, क्षेत्रीय भाषा उपयोगकर्ताओं क तादाद 2021 धरि भारतक इंटरनेट उपयोगकर्ता क लगभग 75 प्रतिशत सेहो हेबाक उम्मीद अछि ।
वोकल क उपयोग करब आसान अछि। उपयोगकर्ता अपन स्थानीय भाषा मे प्रश्न पूछैत अछि। एहिक बाद एकटा विशेषज्ञ दिस से उत्तर देल जाएत अछि । प्लेटफॉर्म पर सवाल क जवाब दए से पहिने विशेषज्ञ दिस से सत्यापित आर अनुमोदित कैल जाएत अछि । ताकि उपयोगकर्ताओं कए पता रहय जे उ खाली सर्वश्रेष्ठ आ सही जवाब प्राप्त कए रहल अछि । विशेषज्ञ लाइव वीडियो सेशन सेहो आयोजित कए सकैत अछि ।
वोकल अपरामेया राधाकृष्णा आर मयंक बिदावतका क संकल्पना अछि, जे स्टार्ट-अप क दुनिया मे दिग्गज मानल जाएत छथि । अपरामेया TaxiForSure क सह-संस्थापक सेहो छथि, जेकरा ओ अपन प्रतिस्पर्धी Ola Cabs कए बेच देलक । मयंक redBus टीम क संस्थापक सदस्य छल, जेकर बाद ओ The Media Ant आर Goodbox क स्थापना केलथि ।
वोकल क बारे मे बात करैत, अपरामेया कहलथि, ‘भारतीय संदर्भ मे लंबा समय से एकर जरूरत महसूस कैल जा रहल छल । 22 आधिकारिक भाषा आओर 1000 से बेसी बोली भाषा क संग, हम ज्ञान क न्यायसंगत साझाकरण कए कोना सुनिश्चित करब? संगे, हम केना सुनिश्चित करब जे देशक विभिन्न हिस्सा मे मौजूदा ज्ञान कए संरक्षित और साझा कैल जाए ? वोकल क लक्ष्य ज्यादातर भारतीय भाषा मे एकर समस्या कए हल करब अछि।’
मयंक ने कहा, ‘भारत में भाषाओं की विविधता काफी अधिक है। कई भाषाओं में सूचना और ज्ञान की कमी महसूस की जा रही है। हम जानते हैं कि लोग टेक्स्ट के बजाये ऑडियो और वीडियो पसंद करते हैं। हम चाहते हैं के देश के सबसे होशियार लोग आम जनता के साथ अपना ज्ञान बाँटे और उन्नति का मार्ग दिखाएँ। इस प्लेटफार्म पर 5 लाख से अधिक प्रश्न हैं, जिनका उपयोग हर महीने लगभग 10 लाख लोग कर रहे हैं। हम अगले 15-18 महीनों में 10 करोड़ उपयोगकर्ताओं तक पहुंचने की योजना बना रहे हैं।’
वोकल को चीनी निवेशक Shunwei Capital, Kalaari Capital, Accel Partners, 500 Startups और Blume Ventures के नेतृत्व में सीरीज ए राउंड में 65 लाख डॉलर की फंडिंग प्राप्त की है। वोकल वर्तमान में हिंदी में उपलब्ध है और आने वाले महीनों में अन्य क्षेत्रीय भाषाओं में भी इसे लॉन्च करने की योजना है।
बेसी जानकारी लेल वोकल क वेबसाईट सेहो देखू : https://getvokal.com