मस्कट । ओमान क राजधानी काल्हि मैथिल क जुटान से जगमगा गेल । ओतहुका स्थानीय मैथिल मस्कटे क अलनंदा रिजार्ट, बरका मे एकटा मिलन समारोह क आयोजन केलक जाहि मे 60 गोटे से बेसी लोग अपन सहभागिता देलक ।
एहि आयोजनक क शुरूआत बचचा सबहक गीत नाद से भेल जे बाद दिन चढ़ैत-चढ़ैत रास कार्यक्रम मे परिवर्तित होएत गेल । पुरा दिनक कार्यक्रम गीत नाद आ परस्पर चिन्ह परिचय मे बीतल । विभिन्न तरहक सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो भेल ।
ज्ञात होए जे ओमान मे ओतहुका मैथिल दिस से ई दोसर जुटान छल जाहि मे ओतहुका करीब 100 से बेसी मैथिल जुटलाह आ अपन एकता क परिचय देलक । एहि कार्यक्रम मे मुख्य रूप से मनीष झा, दिलीप कुमार झा, निवेदता झा, नरेश झा, संजय झा, तथा जगत आनंद झा आदि क सहयोग छल । कार्यक्रम क जानकारी श्री राम चन्द्र झा देलथि ।