• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
in संपादकीय, समाचार
A A
337
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

 

कुमुद सिंह

एकटा असफल राज्‍यक चर्च क ओहि पर बहस क हम केतबा सफल भ सकैत छी। ओ समाज कखनो विकसित नहि भ सकैत अछि जे अपना स अविकसित समाजक चर्च करै या ओहि पर बहस करै। राज्‍यसभाक उपसभापति संपादक हरिवंश क लिखल इसमाद पर एकटा आलेख बीमारू नहि अछि बिहार मे एहि संदर्भ मे विशेष उल्‍लेख केने छथि। केंद्र में मोदी सरकार केलाक बाद राष्‍ट्रवाद क नाम पर भारतक समाज मे इस्‍लामिक आतंकवाद आ पाकिस्‍तान पर बहस सिमटि कए रहि गेल अछि। आइ चीनक बच्‍चा जतए भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ अपन देश कए आइटी क क्षेत्र में भारत स आगू ल जेबाक लेल प्रयत्‍नशील अछि ओतहि भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि सिरियाक युद्ध आ पाकिस्‍तानक मदरसा। भारतक बच्‍चा क लक्ष्‍य चीन या अमेरिका नहि अछि। ओ अपना कए पाकिस्‍तान स बलशाली, योग्‍य आ विकसित मानि संतुष्‍ट भ चुकल अछि। भारत बच्‍चा कए ऑक्‍सफोड, हावर्ड या कैब्रिज में भ रहल शोधक कोनो जानकारी नहि देल जा रहल अछि, ओकर दिमाग में मदरसा में पढाउल जा रहल तथ्‍यक खोइंचा छोडा छोडा कए जानकारी देल जा रहल अछि। आइ भारत सरकार अपने मीडिया प्रबंधनक बल पर नहि केवल भारतीय जनमानसक लक्ष्‍य छोट क रहल अछि, बल्कि पाकिस्‍तान स बेहतर आ मजबूत भेनाई अंतिम उपलब्धि बना देबाक प्रयास में अछि। ओना एहि मे ओ काफी हद तक सफल सेहो भ रहल अछि। पाकिस्‍तानक मदरसा देख कए भारतक कोनो बच्‍चा नहि त कलाम बनत आ नहिये ओ चांद पर जेबाक सपना देखत। केंद्र सरकार क एहि दीर्घकालीन नीतिक प्रभाव भारतीय समाज पर अगिला 40-50 साल बाद देखबा मे भेटत।

 

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बीमारू नहि अछि बिहार शीर्षक स प्रकाशित श्री हरिवंश अपन आलेख मे कहैत छथि जे चीन यात्राक दौरान हुनका चीनक एकटा बच्‍चा स संवाद करबाक मौका भेटल। ओहि बच्‍चा मे देशभक्ति भरल छल आ अपन देशक विकास लेल ओ चिंतित छल। भारतक संदर्भ मे ओकरा लग केवल एतबा जानकारी छल जे आइटी सेक्‍टर में चीन भारत स पाछू अछि आ ओहि बच्‍चा कए उम्‍मीद छल जे ओकर देश अहिला किछु बर्ष मे एहि क्षेत्र मे सेहो भारत स आगू भ जायत। इ प्रकरण करीब एक दशक पुरान अछि, मुदा हाल में फोर्ब्स पत्रिका दिस स जारी भेल आइटी कंपनीक सूची मे अमेरिका क कंपनी सबस बेसी अछि। दुनिया क 250 सम्मानित कंपनी क सूची असगर 59 टा कंपनी अमेरिका अछि, मुदा ओकर बाद भारत नहि अछि बल्कि जापान आ चीन अछि, तेकर बाद भारत क कंपनीक नंबर अबैत अछि। दस साल पूर्व चीन क ओहि बालकक सपना ओकर देश पूरा क देल‍क। चीन एहि क्षेत्र में भारत से आगू भ गेल। आइ भारतक बच्‍चा कौन सपना देख रहल अछि। ओकर परिवेश मे कौन विषय पर चर्च भ रहल अछि। ओकर लक्ष्‍य पाकिस्‍तान बना देल जा रहल अछि, ओकरा चीन या अमेरिका स कोनो प्रतिस्‍पर्धा नहि अछि। चंद्रयान कए आसमान मे देखिए चीन आ अमेरिकाक बच्‍चा जतय चिंतित होइत अछि ओतहि भारतीय बच्‍चा एहि स गदगद भ जाइत अछि जे पाकिस्‍तान लग त अपन सेटेलाइट तक पठेबा लेल रॉकेट नहि अछि। भारत बच्‍चा क भीतर इ सपना जन्‍म नहि लैत अछि जे हमरा अमेरिका जेकां चांद पर मनुष्‍य कए उतारब एखन बाकी अछि।

 

भारतीय जनमानस मे पैदा भेल इ सोच आ फोर्ब्स क सम्मानित फर्म क सूची में महज 17टा भारतीय कंपनीक नाम देखब एकटा दीर्घकालीन असफलता दिस ईशारा क रहल अछि। हम एकटा असफल देश कए अपन लक्ष्‍य बना चुकल छी। ओकर चर्च क अपन सोच, अपन सपना आ अपन शोध कए दीर्घकाल लेल नष्‍ट क रहल छी। फोर्ब्स क सम्मानित फर्म क सूची मे मात्र 17टा भारतीय कंपनी कए स्थान भेटल, जखन कि पिछला दस साल मे एकर विस्‍तार हेबाक चाहैत छल। हम 10 साल पूर्व एकटा क्षेत्र में कम स कम दुनिया मे सबसे आगू रही। ओना एहि सूची में इंफोसिस, टाटा कंसल्टेंसी सर्विसेज (टीसीएस) आ एचडीएफसी सन कंपनी शामिल अछि।

 

सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र क कंपनी इन्फोसिस कए दुनिया क सम्मानित कंपनीक सूची मे तेसर स्थान भेटल अछि। की हम एहि पर खुश भ जाये जे एहि सूची मे पाकिस्‍तानक कोनो कंपनी नहि अछि या हम एहि पर चिंतित भ जाये जे हमर देशक कंपनी तेसर भ गेल। हम एखनो अमेरिका स पाछु छी। एकरा पहिल हेबा मे केतबा दिन लागत। सरकार लग एकरा लेल की नीति अछि, हमर एहि मे कोना योगदान भ सकैत अछि। ताहि पर बहस कतहु नहि भ रहल अछि।

 

वैश्विक भुगतान प्रौद्योगिकी कंपनी वीजा एहि सूची मे पहिल स्थान पर अछि आ इटली क कार कंपनी फेरारी दोसर स्थान पर। सूची मे शामिल शीर्ष दस कंपनी मे नेटफ्लिक्स चारिम, पेपाल पांचम, माइक्रोसॉफ्ट छठम, वाल्ट डिज्नी सातम, टोयोटा मोटर आठम, मास्टरकार्ड नौम आ कॉस्टको होलसेल दसम स्थान पर अछि। सूची मे शीर्ष 50 स्थान मे टीसीएस 22म और टाटा मोटर्स 31म स्थान पर अछि। एहन मे अगर हमर देशक बच्‍चा भोर स लग कए सांझ तक पाकिस्‍तान आ सिरिया तक सिमटल रहैत अछि त इ भारत भविष्‍य कए सुनियोजित तरीका स अंधराकारमय करबाक प्रयास लगैत अछि। फोर्ब्स कहलक अछि जे ‘Infosys’ एहि सूची मे एशियाई कंपनी मे सबस आगू अछि। इन्फोसिस पर चीनक बच्‍चा क नजरि अछि, मुदा भारत क बच्‍चाक नजरि अमेरिकाक 59 टा कंपनी पर नहि बल्कि पाकिस्‍तानक मदरसा पर अछि।

 

भारतीय कंपनी क संख्‍या सूची मे महज 17 अछि। जाहि मे टाटा कंसल्टेंसी सर्विसेज (22) आ टाटा मोटर्स (31) शीर्ष 50 कंपनी मे अछि। बाकी  टाटा स्टील (105), लार्सन एंड टुब्रो (115), महिंद्रा एंड महिंद्रा (117), एचडीएफसी (135), बजाज फिनजर्व (143), पीरामल एंटरप्राइजेज (149), स्टील अथॉरिटी आफ इंडिया (153), एचसीएल टेक्नोलॉजीज (155), हिंडाल्को इंडस्ट्रीज (157), विप्रो (168), एचडीएफसी बैंक (204), सनफार्मा इंडस्ट्रीज (217), जनरल इंश्योरेंस कॉरपोरेशन आफ इंडिया (224), आईटीसी (231) आ एशियन पेंट्स (248) पछुआयल अछि।

Tags: India
Share337TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि