• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता क तैयारी शूरू, मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभा होएत सम्मानित

March 18, 2020
in समाचार
A A

मिथि‍लाक हेरायल प्रतिभाक ताकि हुनका सहयोग आ सम्‍मानित करबाक उदेश्‍य स विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के प्रांगण में “मैथिल मंच” आ “युवा संस्कार मिथिला फ़ाउन्डेशन” के संयुक्त तत्वावधान में आयोजित होबयवला मिथिला स्तरीय “अटल मिथिला-प्रतिभा खोज प्रतियोगिता 2020” के लेल प्रेस वार्ता के आयोजन कयल गेल।

 

प्रेस वार्ता के सम्बोधित करैत  मैथिल मंच के मार्गदर्शक संग विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के महासचिव श्री बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ जी अटलजी द्वारा  मिथिला के लेल कयल गेल योगदान सबकें  चर्चा करैत कहला कि ई प्रतियोगिता सम्पूर्ण मिथिला क्षेत्र में आयोजित कयल जायत। एहि प्रतियोगिताक मुख्य उद्देश्य मिथिला क्षेत्र के होनहार छात्र के चयनित कय सम्मानक संग हुनक सहयोग कयनाई अछि।

 

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एहि प्रतियोगिता के संयोजक पुरुषोत्तम वत्स प्रतियोगिता के विस्तृत जानकारी दैत कहलथि कि, ई प्रतियोगिता पाँचवाँ सँ बारहवाँ कक्षा तक के छात्र सबलेल होयत आ हर कक्षा के प्रथम तीन(प्रथम, द्वितीय और त्रितीय) के संग 50 सफल छात्र के सम्मानित कयल जायत। एहि प्रतियोगिता के लेल प्रखण्ड स्तर पर परीक्षा केन्द्रक व्यवस्था कयल जायत। प्रतियोगिता परीक्षा के प्रारूप पर मैथिल मंच के राष्ट्रीय अध्यक्ष मणिभूषण ‘राजू’ कहलथि कि प्रतियोगिता में कक्षा स्तर पर पाठ्यक्रम के संग मिथिला के गौरवमयी इतिहास आ वर्तमान सँ जुडे प्रश्न पूछल जायत। प्रश्नपत्र  100 अंक के रहत जहिमें पाठ्यक्रम स 100 प्रश्न पूछल जायत जहिमें 80 प्रश्नक उत्तर देबय के होयत आ बाकी 50 प्रश्न मिथिला के बारे में रहत जहिमें 20 प्रश्नक उत्तर देनाई अनिवार्य होयत।

 

एहि के अतिरिक्त एहि प्रतियोगिताक बहुद्देश्यीय उद्देश्य  पर चर्चा करैत राजू कहलथि कि एहि प्रतियोगिता के क्रम में समस्त मिथिला क्षेत्र में विभिन्न कार्यक्रम के द्वारा जनगणना 2021 में मातृभाषा मैथिली (भाषा कोड 162) चुनबाक लेल जनजागरण कयल जायत, संगहि सम्पूर्ण मिथिला के गौरवमयी इतिहास के जानकारी के गाँव-गाँव तक पहुँचाकय मिथिला आँदोलन लेल अलख जगाओल जायत।

 

एहि प्रतियोगिता के संयोजक पुरुषोत्तम वत्स कहलथि कि एहि प्रतियोगिता के लेल नामांकन 1 अप्रैल 2020 से 15 मई 2020 तक होयत आ परीक्षाक आयोजन 15 जून 2020 सँ 21 जून 2020 तक कयल जायत। एहि प्रतियोगिताक परिणाम के घोषणा समारोहपूर्वक दिनांक 11 आ 12 जुलाई 2020 के घोषित कयल जायत।

 

मंच के मार्गदर्शक संग विश्वविद्यालय के पुरातत्व विभाग के विभागाध्यक्ष अयोध्यानाथ झा प्रतियोगिता को बहुद्देश्यीय बनाबय संग मिथिला के इतिहास के युवावर्ग सँ जोड़बाक प्रावधान के प्रशंसा कयलथि आ यथोचित मार्गदर्शन के आश्वासन देलथि।

 

पुपरी से आयल आनंदमोहन भारद्वाज प्रतियोगिता आयोजन के लेल आयोजक के बधाई देलन्हि आ अपन प्रतिष्ठान “डिस्कवर मल्टिपल टैलेन्ट” के तरफ सँ पूर्ण सहयोग के आश्वासन देलन्हि।

 

प्रेस वार्ता में उपस्थित वरिष्ठ गणमान्य व्यक्ति में विद्यापति सेवा संस्थान के मीडिया प्रभारी प्रवीन झा, विश्वविद्यालय के सीनेट सदस्य शुभक चौधरी, चौधरी कमलेश कुमार राय, चन्द्रशेखर झा ‘बूढ़ाभाई’, आनंद मोहन भारद्वाज, कुन्दन चौधरी, शरद चन्द्र झा, गणेशकांत झा, दिनेश झा आ अन्य लोक उपस्थित छलथि।

 

आशीष चौधरी क रिपोर्ट

Tags: Bihardarbhangamithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
कोरोना स रूकल बिहार, सभटा सार्वजनिक स्थान बंद, चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

कोरोना स रूकल बिहार, सभटा सार्वजनिक स्थान बंद, चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि